Thursday, October 6, 2022

साधो! देखह जग बौरायल (मैथिली कथा) : प्रदीप बिहारी

कथा

साधो! देखह जग बौराएल

प्रदीप बिहारी

बचनू गुम्म छल। मात्र लयमे टिनही बाटी पटकि-पटकि मांगि रहल‌ छल। ओहिदिन ओ किछु बाजि नहि रहल छल, से खखरीकें सोहाइत नहि छलैक। ओ बाजलि, "हे, मौनी बाबा किए बनल छहो? बिना मंगने के देत'?"
       मुदा, बचनू चुप। आर भिखमंगू सभ मांगि रहल छल। गंगनहौन‌ वा आने करतेबता बला श्रद्धालु सभ जहिना सिरहीसं धार दिस खंघरैत छल, भिखमंगू सभ अपन-अपन बाटी लयमे पटक' लगैत छल आ मंगैत रहैत छल- "दए दहो बाबू आर, मैयो आर, मामा (पितामही) आर, भैया आर, भौजी आर, बहिन आर...। धरम करहो, दान करहो, पुन्न करहो। दोहाइ गांग माइ के...दाता के कलियान करियौक...मनकामना पूरा करियौक...।
       किछु भिखमंगू एहुना बाजय, "दान करियौक दानी सब। भिखमंगा के जतबे देबै, सेहे फल। सेहे धरम। सेहे संग जायत। जय गंगा मैया। सब के रछिया करियौक।"
        एकटा श्रद्धालु महिला बजैत जाइत छलीह, "कतेक गन्दा छै ई सभ? नहाइ ने किए छै? एकरा सभ के पानिक कोन‌ संकट छै? जखन साक्षात् गंगे माइ छथिन, तखन...।"
        बाटे परसं श्रद्धालु सभक संग अबैत पंडा सभ बजैत रहैत अछि, "आबू जजमान। अइ बाटे आबू। ई सब अहिना काते-कात‌ भेटत। अपने गामक फल्लां बाबू सेहो हमरे जजमान छिका।"
       "से त' हेबे करत पंडा जी।‌ जखन हमर गामे अहांक जजमान अछि, तं सभ केओ हेबे करताह।"
       मुदा, बचनू चुप। बचनूक चुप रहब खखरीकें बेध' लगलै। 
       दाता सभ यथा साध्य बाटी सभमे खसबितो छलाह। जकरा बाटीमे जहिना किछु खसल, तहिना ओ द्रव्य वा खाद्य-वस्तु सभ अपन-अपन कपड़ाक धोकड़ीमे सहेजि लैत छल। बाटी खालिक-खालिए।
       खखरीकें बाटीक लयात्मक आवाज साफे नीक नहि लगैत छलैक। बाजलि, "है बुढ़बा! बोलब ने करै‌ छहो? गंगाघाटके लोक आर खुशी स' नाचब करै छै जे कुंभ लगतै। सबहक आमदनी बढ़तै। किछ सोचबहो कि...। बौकी देवी धए लेलक' हन?
       खखरीक इहो प्रयास खालिए गेलैक। बचनू नहि बाजल। खखरी सोचलकि- आर सभ बात त' ठीक, मुदा खखरीक मुंहसं अपना लेल 'बुढ़बा' शब्द नहि सुन' चाहय। एकबेर खखरी एहि शब्दसं संबोधन कयलकि तं तरंगि उठल बचनू । अबस्से कोनो विशेष बात छै। 
       खखरी अखियास' लागलि। कखन स' बचनू चुप रह' लागल छल? मोन पड़लै। काल्हि दुपहरमे बजार होइत मास मेलामे आब' बला श्रद्धालु सभक खोपड़ी देखैत मुर्दघट्टी दिस गेल। जाइ बेर स' पहिने बेस चरफर छल। जिलेबियासं बतिआयल। जानि नहि, घुरलाक बाद अनचोके स्वभाव किएक बदलि गेलैक।
       जिलेबिया जुआन भेल जाइत अछि। भरि मासमेला ओ एकरा सभक संग नहि बैसैत अछि। जेम्हर खालसा सभ बनैत छैक, ओम्हरे अपन अपन ग'र धरबैत अछि। भिखमंगू सभ बुझैत अछि जे जिलेबियाक बाप मंगनुआ, बचनूक बेटा नहि छैक, मुदा जिलेबिया बचनूक पोती छैक। तें एहि छौंड़ीकें सभ मानैत छैक। बचनू भिखमंगू सभक माइन्जने सन अछि। घाट परक भिखमंगुए सभ नहि, दोकानदार आ पंडो सभ बचनूकें गुदानैत छैक। तें जिलेबिया सभक दुलारू छैक।
       एहिठामक सभ भिखमंगू विभिन्न ठामसं लोहछल पेट आ पीठ ल' क' आयल छल। एकरा सभमे ककरो केओ नहि आ सभ सबहक। 
       जिलेबियाक माय कदमिया आ मंगनुआक बीच माया-पिरती भेलैक। नुकायल बात देखार होम' लगलैक। एकरा दुनूकें अन्दाज नहि भेलैक जे दुनूक माया-पिरतीक सुगंध घाटक भिखमंगू सबहक नाकमे पैसि जयतैक। ओकरा सभक समाजमे रंग-रंगक गप होम' लगलैक। नीक आ बेजाय, दुनू रंगक। 
       "इह, घर ने दुआरि आ मौगी डेबए लेल उताहुल।"
       "हे रे, अपना आर के की? जइ जए घ'र ओही जए ध'र। दिनो-दुनिया त' ओही जए ने?"
       "धु: बड़गाही। पेट मे ख'ढ़ ने आ सिंह मे तेल।"
       "दुनू मिलि कए कमैतै त' जरूरे आगां बढ़तै।"
       "रे बड़गाही! केतनो आगां बढ़तै, रहतै त' भिखमंगुए ने।"
       "नञि रे। रूपा भेने सब किछ बदलि जाइ छै। रूपा होतौ त' बितलाहा काल्हि गांग माइके पानि मे दहाय जेतौ। आबइ बला काल्हि बनतौ। आ रूपा नञि रहतौ त' किछ ने। आर सी सी बला सड़क पर गांड़ि रगड़ैत रह।" 
       "ताही ले' मुर्दघट्टी बला रस्ता दिस दुनू मांगब करै छै। दियौक हे दाता। दियौक हे कर्ता। दियौक हे मालिक के बेटा-भतीजा, सर-सम्बन्धी, गौंआ-घरुआ। अपने आर ले' केतना अरजि क' मालिक चलि गेला, से मोन राखियौ। राजा छियैक अपने आर। मालिक के बैकुण्ठक रस्ता क्लियर करियौक। आ से भिखमंगुए के देने होत। दोहाइ मालिक, दोहाइ गंगा माइ।"
       "से सब टा त' मुर्दघट्टी स' पहिने ने । मुर्दघट्टी लग ट'पौ ने दै छै। ओइ जए के गूहो डोमे राजा आ ठीकेदार के होइ छै।"
        पहिल बेर एकटा बजलैक, "हमरा बिचारे मंगनुआ आ कदमिया के बुझेबाक चाही। हमरा सब के भाग मे मांगनाइ टा छिकै। मौज-इलबाइस नञि छिकै।"
       "इह बड़गाही! पढुआ पढ़ब करै हय। तोरा पटितौ त' छोड़ि दितही रे? चुपें। होमए दही। बचनू दा छेबे करै।"
       सैह, बचनुएक कहला पर मंगनुआ आ कदमियाक बियाह भेलैक आ बियाहक साते मासक बाद जनमलै जिलेबिया‌। जनमिते छौंड़ी माय-बापक संग चर्चाक केन्द्रमे आबि गेलैक। गुल-गुल शुरुह भ' गेलैक। होउक ने किए? मुदा, एहू बातकें बचनुए दाबलक। ओ बाजल रहय, "जकर रहै, तकरा ज'रे छिकै। छोड़ि नञि ने देलकै। बच्चा पहिले के होइ या बाद के, एकरे दुनू के छिकै ने। की हरजा?
      बात सेरा गेलै। मुदा सेराइत-सेराइत बचनू आ खखरीक बियाहक चर्च सेहो शुरू भ' गेलै। कहांदन एकरो दुनूक मोन मिललैक आ पैसि गेल गंगा जी मे। दुनू संगहि डूब द' कछेरमे आयल आ बचनू खखरीके सिनुरा देलक। दुनू संगहि क'ल जोड़ि गंगा माइकें प्रणाम कयलक आ सिरही पर चढ़ैत पहुंचि गेल अपन-अपन जगह पर। पहिने सोझा-सोझी बैसि क' मांगैत छल। तकर बाद खखरी अपन मैल-कुचैल बैसका आ बाटी उठौलकि आ आबि क' बचनूक कातमे बैसि गेलि।
       जिलेबियाकें ताकि आयलि खखरी मुदा, छौंड़ी नहि भेटलैक। खखरी सोचलकि- छौंड़ी छोट रहै तखने स' पयर‌मे घुरघुरा छै। आ आब चेष्टगर भेल जाइ छै, त' पयर मे किनसाइत मोबिलो लागि गेल छै। 
       खखरीकें विश्वास छलै जे जिलेबियाक पुछने बुढ़बा जरूर बजतै। मुदा, छौंड़ी भेटै तखन ने। अनदिनो मेले सन रहै छै एत'।
       बचनूक चुप्पी खखरीकें घोंटने जा रहल छलैक।
       तखने खखरीकें अपन ब्रह्मास्त्रक सोह भेलैक। एकटा शब्द आर छैक जे बचनूकें पसिन नहि छैक। ई शब्द सुनितहि ओ बमकि जाइत अछि। ओना एकरो नाम "खखरी" पसिन नहि छैक बचनूकें। बियाहक किछुए दिनक बाद ओ बाजल छल, "तोहर नाम खखरी के रखलकौ?"
       "बुतरुआ के नाम के राखै छै? माइए-बाप या दादा-मामा ने।" खखरी बाजलि, "से किए?"
       "हमरा नीक नञि लागब करै हय ई नाम।"
       "हे हौ! हमें हीरोइन छिकियै जे बैजन्ती माला आ हेमामालिन नाम रहितै। कहांदन हमरा माइ-बाबू के बुतरुआ होइ आ मरि-मरि जाइ। हमें जलमलियै त' हमरा गाम के एगो बराहमन बोललखिन जे एकर नाम जेहन-तेहन राखि दही। तखन किनसाइत बांचि जाउक।‌ तखन हमर नाम पड़लै खखरी ।" कने चुप भ' क' फेर बाजलि, "नाम जैसन लोक होइयो जाइ छै। देखहो ने! हमें की छिकियै? खखरिए ने।"
       "है, चुपें। आब हमरा जौरे छिकहो से यादि राखल करहो।" बचनू बाजल, "हमें आर एक तरहे उमेर बितला पर ज'र होलियै, एकर माने ई नञि जे तोएं अपना के खखरी बुझहो। तोएं खखरी नञि, हमर पुष्ट धान छिकहो।"
       "जे बुझहो।" खखरी लजा गेलि। मुदा, एके पलमे बाजलि, "अपने सन के हमें तोरो नाम रखिय'?"
       "से तोएं किए रखबहो हमर‌ नाम? तोएं हमर माइ कि मामा?"
       "गोस्सा किए उठल'?" खखरी बाजलि, "परेम स' लोक सांइ के नाम नञि रखै छै?"
      बचनू मुस्किआइत बाजल, "बेस राखहो।"
       "हमें जैसन छिकियै, तैसने ने राखब'।"
       खखरी जखन नाम कहलकि तं पहिने मुस्किया देलक बचनू, मुदा बादमे कहलकै, "सांइ के नाम राखए के स'ख पूरा होइ गेल' ने। आब सुनहो! आब कहियो अइ नाम स' हमरा नञि बोलबिहो।"
       से सांचे। जहिया कहियो धोखो वा विनोदोमे खखरीक मुंहसं ओ नाम बहरयलैक, बचनू बमकि जाय। तें खखरी अपन ब्रह्मास्त्र ल' क' बचनू लग गेलि। बाजलि, "हे, खखरा। खखरी के सांइ खखरा। बोलबहो कि हमें चलि जइय' दोसर घाट पर। परेम स' पुछै छिअ' त' अगरायब करै छहो। हमें चललिय' दोसर घाट दिस। बूढ़ भेने अइसने अगरायब करै छै लोक। रह' बैसल। खखरा नहितन।"
       'खखरा' सुनितहिं बचनू ठीके बमकि उठल, "है, तोएं मौगी छिकहो कि मौगी के झ'र। जे मना करब' सेहे करबहो। हमें मौनी बाबा नञि बनल‌ छिकियै।"
       "त' एतना बोलैला पर मुंह किए ने खोललहो?"
       "सोचब करै रहियै।"
       "की?"
       "अपना आर के माथा पर अकास छिकै। ई अकास एतना उप्पर छिकै‌ जे अपना आर के छतो ने बनै छै। निच्चा छिकै सिमटी-रोड़ा-छड़ स' ढलाइ कयल जग्गह। अइ पर पोन छिलाइते रहै छै। माटि अपना आर लेल कहां छिकै? सेहे सोचै रहियै जे..."
       "जे की?"
       "छोड़हो। जा जइ घाट पर जाइ छ'।"
       "इह बुढ़बा! तोरा छोड़ि क' कतौ जइब' से? जाइए ले' सामने स' कात मे अइलिअ' हन।" 
       खखरीक मुंह पर मुस्की पसरि गेलै।


अर्द्ध कुंभक घोषणा भ' चुकल छलैक। समितिक संग विभिन्न राजनीतिक पार्टी सभक स्थानीय विधायक सभक सहयोग तय भ' गेल छलैक। दलगत राजनीतिसं ऊपर उठि क्षेत्रक विकास लेल कुंभ मेलाक आयोजन जरूरी बुझायल रहनि सभकें। घोषणा भेल रहैक जे कल्पवासेक समयमे‌ एकरो आयोजन होअय।
       बचनूक मोनमे जे प्रश्न उठलैक, से किछु आर गोटेक मोनमे सेहो उठल रहैक।‌ बचनू कतोक पंडासं पुछने छल जे पचासो बरखसं ओ एहिठाम अछि। कुंभ मेलाक आयोजन पहिल बेर सुनि रहल अछि। शास्त्र-पुराणमे रहितैक, तं होइत रहितैक। ताहि पर एकटा पंडा कहलकै जे ई सभ‌ गोटे अध्ययन-मनन कयलनि अछि जे बहुत पहिने एत्तहु कुंभ होइत रहैक। तात्कालीन सरकार बन्न करबा देलकै। आब समाज फेरसं कुंभ लेल माथ उठा रहल‌ छै, तं की बेजाय?
       बेजाय बातक चर्च शुरू भ' गेल छलैक। पंडा समाजमे एहि आयोजन ल' क' दू गोल भ' गेल रहैक। किछु नवयुवक एकर विरोध कयलकैक, "हे हौ! हमे बहुत तकलियै, मुदा अइ ज' कुंभ के कोनो इतिहास नञि भेटलैक। एना ज' लगाब' लगलै त' कत्ती जग्गह मे कुंभ मेला लागए लगतै?"
       "हे रे, लगतै त' तोरा की दिक्कत?"
       "हमर दिक्कत तोएं आर नञि बुझबें। तोरा आर के दिमागि लगाब' पड़तौ।"
       "बड़े काबिल छिकही त' बताबें अपन दिमागि के बात।"
       "सुनहो। अइ अर्द्ध कुंभ के सरकार मान्यता नञि देतै। कुंभ किए शुरू होलै, तइ कारण मे अपना आर के गंगाघाट नञि छिकै। तें ई समिति मासमेला के जौरे एकरा कए रहलै हन। मासमेला त' राजकीय मेला घोषित छिकै। अही जौरे करतै‌ त' प्रशासनिक काज निमहि जेतै। अइ दा पहिल बेर छिकै। एत्ते जल्दी के सब औतै‌ शाही-स्नान आ आर काजमे?"
        "सभे औतै। बड़का पंडित 'हं' बोलि देने छिकथिन। ऊ ओहिना 'हं' नहि बोलने होथिन। ओत्ती विद्वान लोक ओहिना मुंह नहि खोलब करै छै। ओकर एक-एक गो बोली के महत्व होब करै छै। कोनो बात तौलि क' बोलब करै छथिन। कहियो हुनकर दर्शन केलही हन?
       " अहं।" 
       "एकदा हुनकर दर्शन कए ले। दिमागि के खरबहा किल्ली जे छिकौ ने, से ठीक भ' जेतौ। हुनकर पहुंच बहुत ऊपर तक छिकनि। ऊ सब किछो मैनेज कए लेथिन।"
        "अइ मेला स' अपन क्षेत्र के कत्ती विकास होतै, से सोचब करही।"
        "सोचै छिकियै हमे। मासमेला के बाद गंगाघाट नरक सन होइ जाइ छै। हियां के लोक अपन जरुरति अनुसार साफ करब करै छै, बांकी सभ त' बाढ़ि‌ मे‌ गंगा माइ अपने साफ कए लै छिकथिन।"
       "साफ होइ जाइ छै ने रे?"
        "हं, से त' होइ चाइ छै। मुदा, सोचही! कुंभ मेला के बदला गंगा के सफाइ आ घाट के विकास पर खर्चा होइ त' कत्ती नीक होतै। ज' विष्णु भगवान के अमृत कलश स' बुन्न अइ ज' खसल रहितै‌ त' एकटा बातो। ई त' बजार लगायब होलै।"
        एहि वक्ताकें छोड़ि बाकी सभ, माने एके स्वर मे बाजि उठल, "रे बड़गाही। ई कमनिस्ट सन के बात बोलै हौ। एकरा बड़का पंडी जी स' भेंट कराना जरूरी छिकै।"
       तकर बाद एकाएकी बाज' लागल, "बाप रे! पंडा के बेटा कमनिस्ट होइ गेलै। हे गंगा माइ रक्षा करू। रक्षा करू मैया।"
        "हे रे सुनें, अपन दिमागि अपने जौर मे राख,  नञि त'...। अइ जए उनटल दिमागि बला के काज नञि‌ छिकै। जे होइ रहल‌ छिकै, एकदम सही छिकै। अमृत‌ के बुन्द जहां खसलै, से तोएं देखए गेल‌ रही? हमें कहब करै छियौ जे अहू ज' खसलै। तोहर‌ नजरिए ओहन‌ नञि छिकौ जे देख सकबें। घाटक पंडा आ छोट-पैघ दोकानदार आर के आमदनी बढ़तै। बुझल छौ? भोजनालय आ जलपान गृह बला आर गाम स' लोक मंगा रहल छै। ओतने नहि, गंगौटक थुम्हा बना-बना राखि रहलै हन। चुप रहें। ऐसन बात नहि बोल। जा क' बाबू जौरे सनसकिरीत सीख। अइ घाट पर उहे काज देतौ, उहे कलियाण करतौ।" तकर बाद जोरसं बाजल, "जय श्री राम । हर हर गंगे।" 
       जय श्री राम आ हर हर गंगेक स्वर आर सभ दोहरयलक, तेहरयलक। पूर्वक वक्ता जकरा ई सभ लुलुआ रहल छलैक, एकरा सभक उतारा देब' लेल उद्यत भेल कि फेर सभ डांटलकै ओकरा। एकटा बाजल, "लगै छै‌ ई कोनो गैंग के सदस्य बनि‌ गेलौ हन। एकर हियां रहब विनाशकारी होतौ। एकर बाबू के कहए पड़तौ जे एकरा सैंति क' राखय वा कत्तौ बाहर पठा दिअए।"
        दोसर बाजल, "लछमी दा, आब पता लगब' पड़त' जे एकर गैंग के आर लोक नञि ने घाट पर घुमब करै छै।"
        लक्ष्मी बाजल, "से पता लगो। भेटौ त' पहिले कहि दिहै जे गंगाघाट पर उहे रहि सकै छै जे मन-वचन-कर्म स' हियां के रहतै। जे रहब करै छै हियां आ सोचै छै कतौ आर के बारे मे, से हियां नञि रहतै। पहिने बुझा दीहै। नञि बुझतै त' उपाय छिकै ने रे!
       ओ वक्ता चुपचाप ओहिठामसं सहटि गेल।

बचनू खखरीकें डांटि तं देलकै, मुदा कहलकै‌ नहि जे किए मौन रहै? ओ जे बात कहलकै, से खखरी बूझि नहि सकलि। ओकरा जिलेबिया पर विश्वास छैक। वैह छौंड़ी बचनूसं पूछि सकैत अछि आ ओकर बात बूझि सकैत अछि। चंसगर छैक छौंड़ी।
        खखरी जिलेबिया के घाट दिस ताकि रहल छलि। ओकरा मोन पड़लै। ई सभ पहिने जे टिनही बाटी पटकए, तं कोनो लय‌ नहि बहराइक। सभ ढलाइ पर टिनही बाटी पटकए-बेसुरा। जिलेबिया सभ के लय मे पटक' सिखा देलकै। एकरा सभकें लय देलकै छौंड़ी।
       एकटा दोसर भिखमंगूसं खखरी पुछलकि, " जिलेबिया के देखलहो हन?"
       "से किए? तोरो किछ बोलल' हन‌ की?"
       "नञि, लेकिन..."
       "एगो मौगी ओकरा खिहारै रहै।"
       "किए?"
       "बोललै जे मलिकाइन, खाली गांग लहैने कुच्छो नञि‌ होत। हमरा आर के जे दान देबै, सेहे ओइ जनम भेटत। नञि देबै त' अइ जए आबि क' मांगए पड़त। अही पर ऊ मौगी अपना हाथक लोटा लए क' मार' दौगलै जिलेबिया के।"
       "तखन?"
       "तखन की? जिलेबिया लंक लेलकै। थुलथुल मौगी कत्ती दौगितै? छौंड़ी के बिखिन्न-बिखिन्न गारि पढैत घुरि अइलै।"
        खखरीक मोन कने हल्लुक भेलैक। ओ घुरल तं बचनू लग जिलेबियाकें देखलक। दुनू‌ बतिया रहल छल।
       "बुझलही नुनू। मेला समिति के एगो सदस्य हमरा बोलल हन जे मेला भरि ई जग्गह खाली कए दहो। सब भिखमंगा आर पुरना मुर्दघट्टी स' कने आगां चलि जाह। ओइ ज' तोरा आर के लेल खोपड़ी बनि रहल छह।"
       "से किए हौ बाबा?" जिलेबिया पुछलकि।
       "एत्ती गो मेला हेतै। बाहर स' बड़का-बड़का संत महात्मा औतै। भिखमंगा के‌ देखतै त' हियां के छवि खराप होइ जेतै। बोललै‌ जे जा मेला रहतै, ता पुरना मुर्दघट्टी लग के नबका खोपड़ी मे‌ तोएं आर चलि जाहो। मेला मे भीख मांगैत कोइ नजरि नञि एबहो। सब के खोराकी मिलत'।"
       खखरी बाजलि, "कहलहो नञि जे भिखमंगा आर सेहो धरम असथल के सोभा-सुन्दर होइ छिकै।"
       "हमे बहुत कहलियै, ऊ आर सुनै छै? एखनी सब एकबोलिया होइ गेलै हन। मुंह स' गिरलै, नञि मानबहो त' तेरहम बिदिया।" बचनू बाजल, "काल्हिए हमरा बोलल। आइ संझिया मे जवाब मांगलक। सेहे सोचि क' हमे गुम्म भए गेलियै।"
       जिलेबिया सुनि रहल छलि। ओकर देह तना रहल छलै।
       खखरी बाजलि, "त' भिखमंगा आर के बोलितहो ने। सलाह लितहो ने। की बोलबहो आइ?"
       खखरी डेरा गेलि। बहुत रास अधलाह स्थिति मोनमे नाच' लगलै। घाट परक एहन-एहन बहुत लीला ओ देखने अछि।
       "पहिने जे बात हमरे नीक नञि लगलै, से ओकरा आर के किए बोलितियै?" बचनू बाजल, "हमे बुझै छिकियै जे लोक के एहिना हटाएल जाइ छै। तोरा हटबै छियौ, से थोड़बे कहै छै? कोनो बहन्ना लगा क' हटौतौ। हमरा जेना पता लागल हन जे हियां कुंभ-द्वार बनौतै। तकर बाद जहां हमे आर जइबै, ऊ झग्गड़ बला जग्गह छिकै। ओन्नी के गौंआ बोलै छै जे हम्मर आ सरकार बोलै छै जे हम्मर। जकर होउ, उहो अपना आर के भगाइए देतै।"
       "तखन।" खखरी पुछलकि।
       "की?" बचनू बाजल, "राति भरि इहे सोचै रहियै जे हमरा आर के पोन त'र ने माटिए छै आ ने माथ पर अकासे।"
       एतेक कालसं चुप जिलेबिया बाजलि, "आखिर सोचलहो की? आइ सांझ खन अइत' त' की बोलबहो?"
       "सेहे ने फुराएब करै छै।‌ करेजा केरा के भालरि होइ गेल छै।" बचनू बाजल।
       "मोन स्थिर करहो बाबा। जे हेतै, देखल जेतै।" जिलेबिया बाजलि, "बोलियहो जे हमें आर इहें रहब। कहीं नञि जायब।"
       "तकर बाद की हेतै से अन्दाज‌ छौ?"
       "हं, छिकै। हमें आर डटल रहबै‌। तों स्थिर रहक। हमें सभ स' बतिआइ छिकियै।" जिलेबिया बाजलि, "जे करतै, से सब दुनिया जहान देखतै। अखबारि बला आर पढ़ैतै सब के। चैनल बला आर देखैतै।"
       "पोती! ऊ आर ओकर छोड़ि अपना आर के होतौ?" बचनू बाजल।
      "छोड़हो‌ ने बाबा। ऊ आर किछ नञि करतै, त' नञि करतै। एहन-एहन वीडियो बनबै बला बहुत रहै छै आ उहे आर भाइरल करब करै छै।" जिलेबिया बाजलि, "हमे आर ई जग्गह‌ नञि छोड़बै। बस। एतने।"
       बचनू जिलेबिया दिस तकलक। ओकरा लगलै जे जिलेबियाक आंखि स' धाह बहरा रहल‌ छै।
                        ######
पटना/ 27.03.2022

No comments:

Post a Comment