Wednesday, May 20, 2026

लाबादुआ (मैथिली कथा)

कथा

लाबादुआ

प्रदीप बिहारी

पनरह किलोमीटरक बाट पार कयलाक बाद राम पदारथ पाठकक मोन बन्हयलनि। भरोस भेलनि जे मित्रक जन्मदिनक आयोजनमे‌ समय पर उपस्थित भ' सकताह।‌ अगिला दू दिन छुट्टी छनि। तें ओहिदिन आधा दिनक बाद औफिससं बहरा गेल छलाह। साहेबक मूड नीक छलनि मने। तें हुनका छुट्टी द' देलखिन। मुदा, अपन हिस्सकक अनुसारें कहिए देने रहथिन जे औफिसक काज सभ ओरिया क' जाथि। 
       ओ साहेबकें कहने रहथि जे‌ सभ सोझरायले छनि। आनन्द बाबूक फेयरवेल लेल सेहो सभ ब्योंत भ' गेल छनि। अफसोचक बात ई जे फेयरवेलमे ओ नहि‌ रहि‌ सकताह। ताहि पर साहेब कहने रहथिन, "अहांकें रहब आवश्यक छल। अहां औफिस मैनेजर छियै। ई सभ अहींकें देखबाक चाही।"
        "से बूझै छियै सर। संयोगे बुझल जाय जे सविता मैम अपन गाड़ीसं‌ जा रहल छथि। तें हमहूं प्रोग्राम बना लेलहुं। सभ बेर मित्र बजबैए जन्मदिनक आयोजनमे, मुदा जा नहि पबैत छी। एहिबेर सुयोग लागल तें सोचलहुं जे भ' ली।"
        सविता मैडमक नाम सुनि साहेब ल'त भेल छलाह। 
         राम पदारथ सोचैत छलाह। मित्र ओकरा देखितहिं भरि पांज ध' लेतैक आ कहतैक, "आजुक आयोजन तोरा अयने महत्वपूर्ण बनि गेल।"
         सोचैत छलाह राम पदारथ। आब जन्मदिन मनयबाक चलनसारि बढ़लैए। सोशल मीडिया जन्मदिन कें लोकप्रिय बनौलकैए। जकरो ने कहियो सुनथि, तकरो जन्मदिनक फोटो फेसबुक पर देखैत रहैत छथि। पछिला साल गाममे रहथि। गामक एकटा पित्ती बुचकुन पाठककें पुछलनि, "कक्का यौ! फेसबुकसं पहिने जन्मदिन बुझल‌ छल?"
          "बुझल की रहत?" बुचकुन बजलाह, "जे ने करय पोता-पोती सभ। वैह सभ मनबै छै। हमरा तं अंग्रेजी तारीख नहि बुझल अछि, मुदा फेसबुक पर यैह सभ एकटा राखि देलकैए।'
          " माने ई ओरिजनल नहि भेल?"
         "हौ पदारथ! ओरिजनल की आ डुप्लीकेट की? जनमदिन मनाब' मे खर्चे की लगै छै। धिये-पुता सभ केक पठा दैए। बस, सैहटा खर्च। बांकी फोटो-फाटोमे कोनो खर्चे ने। यैह सभ खीचै छै आ बिलहै छै।" हंसैत बजलाह, "केक थोड़े बिलह' पड़ै छै? ओ तं अपने परिवार खयलहुं। बदलामे ओत्ते लोकक लाइक-कमेन्ट भेटै छै। शुभकामनाक प्रभाव तं नीके ने होइत‌ हेतै। हौ, गाममे कोनो नीक काज उपस्थित होइ तखन ने नीक‌ धोती-कुरता  पहिरी। केक काट' लेल नीक जकां तैयार‌ होइ छी। ई सभ नीक लगै छै हौ। तों सभ तं सरकारी नोकरी करै छह। मनबिते हेबह जनमदिन।"
           "नहि, हम नहि मनबै छी। ओना आब बहुत औफिसमे कर्मचारी सभक जन्मदिन मनाओल जाइ छै।"
           "अएं हौ पदारथ! तों कहियो केक काटलह अछि?"
          "नहि। हमरा नहि सोहाइए।"
          "हौ, फेसबुक के कारणे हमरा काट' पड़ैए। मुदा, हम मोमबत्ती पर फूक नहि मारै छी।"
         "से किएक?"
         "जानि नहि किएक? पहिने कहि दै छियै जे बरैत मोमबत्तीक फोटो खीचि क' राखि ले। तकर बाद खाली केक कटैत कालक फोटो खीच। तहिना करै जाइए।"
          "कक्का! ई सभ तं नीक लगैत हैत?"
          "नीक की? तखन, फील गुड होइए हौ, फील गुड।"
           पछिला बर्ख औफिसमे राम पदारथक जन्मदिन मनाओल गेल रहनि। केक तं नहि रहै, औफिसक कर्मचारी सभक समक्ष सेलेब्रेशनक टौफी आ गुलदस्ता दैत साहेब शुभकामना देने रहथिन। अपन सीट पर अयलाह तं एकटा कर्मचारी पूछि देलकनि, "अजुका ओरिजनल अछि कि डुप्लीकेट?"
            राम बहादुरकें अपगरानि भेल रहनि।
            गाड़ी बढ़ि रहल छल। मोबाइलक घंटीसं तंद्रा टुटलनि। हेलो कहितहिं साहेबक स्वर सुनलनि, "अहांकें कथुक होस रहैए कि नहि?"
            "से की भेलैए सर?"
            "की नहि भेलैए?" साहेब बजलाह, "फेयरवेल लेल जलखैक व्यवस्था की भेलै? ई ककरा करबाक छलै। एखन सभ किछु भेलाक बाद जलखै बेरमे कोनो व्यवस्थे नहि। की क' क' गेलियै। खाली अपने काज सुझैए। औफिसक एहन बदनामी आइधरि‌ नहि भेल हेतै।"
            राम पदारथक कंठ सुखि गेलनि। तथापि बजलाह, "सर, असल मे बात रहै जे विजय सर सभ कथू कयलनि। चन्दो वैह असूलि क' रखलनि। हमरा खाली गुलदस्ता मंगाब' कहने छलाह।"
         ‌   "हम कोनो अजय-विजय नहि जानी।" साहेब बजलाह, "विजय जी कें गिफ्ट आनबाक छलनि।‌ बाकी काजसं हुनका कोन मतलब? ई ककर काज छलै?"
           "छलै तं हमरे।" राम पदारथ बजलाह, "गलती भ' गेलै सर।"
           "गलती की माफ कर' योग्य भेल? कम-सं-कम‌ अपन दुनू असिस्टेंट के कहि देने रहितियै, तं एहन बेज्जती नहि‌ होइत। दू-दू टा स्टाफ भेटल अछि। तैयो बेथुत क' दै छियै। रिटायरमेंटक समय ककरा भेटै छै दू-दू टा असिस्टेंटक सुविधा? दोसर औफिसमे रहितहुं, तं...।" साहेबक तामस कम नहि भेल रहनि, "नहि सम्हरैए तं छोड़ि ने दियौ।‌ अहांकें जत्ते देल जाइए ताहिमे तीनटा बेरोजगारकें नोकरी भेटि जेतै। बुजुर्ग बूझि जतेक अहांक आदर करै छी, ततेक अहां..."
         साहेब फोन काटलनि। ठीके, सभ बातकें सुनिश्चित क' क' चलक चाही छल हुनका। राम पदारथक मोन उतरि गेलनि। सविता मैडम पुछलखिन, तं हुनका सभ खेरहा कहलनि। ओ किछु नहि बजलीह। चुप्पे रहलीह। सविता मैडमक चुप्पी सेहो हुनक मोनकें भारी बना देलकनि।
        ओ सोचलनि। सभ नोकरिहाराकें एकदिन रिटायर होयबाक समय अबैत छैक। सभक संग की एहिना होइत हेतै? मोन पड़लनि। पछिलो बेर एकटा भूल भेल रहनि। सोझे- सोझ तं केओ किछु ने कहलकनि, मुदा हुनका बारेमे आपसमे जे संसद चलैत रहैक, से ओ सुनने रहथि।‌ साहेबक चेम्बरेमे संसद चलैत छलैक। एक प्रकारें हुनका सुनयबाक उद्देश्येसं गप चलि रहल छलैक, तें चेम्बरक बाहर स्पष्ट रूपें आवाज अबैत छलैक।
        "छोड़ि दियनु सर। सात मास नोकरी बांचल छनि। लिखितमे किछु थम्हेबनि तं अंत समयमे गंजन भ' जेतनि। कहुना उघि लिअ' सात मास।"
        "तं की हम‌ अपन कैरियरक गंजन कराउ?हिनकर सात मासक नन परफोरमेंस अपना हिस्सामे ल' क'..."
         "जानि नहि, एहन किएक भ' गेलाह। पहिने कहांदन नीक कर्मचारी मे गन्ती रहनि। आब तं किदन भेल जाइ छथि।"
         "हे यौ। एकटा बात बुझियौ। जन्मतिथि मे अबस्से उप्पर-नीचां हेतनि।‌ मानसिक रूपसं‌ रिटायर्डक भावनामे जीबैत हेताह। औफिसियल जन्म तिथिक अनुसार भने साठिक‌ नहि भेलाह अछि मुदा...।"
         "से कहांदन डेढ़ बर्खक अन्तर छनि।"
         "कम्मेक फरक छनि। किछु के तं तीन-चारि, कि ओहू सं बेसीक रहै छै।"
         "हं, ओ जमाना रहै। सुतरि गेलै। आब तं एहन हेरा-फेरी मोश्किल छै।"
         "यौ, ओहू जनामा मे सही जन्मतिथि बला लोक छलाह। सभ हिनके सन नहि..."
         "ताहिमे हिनकर कोन दोष?"
         "बेस, एहिबेर छोड़ि दियनु सर।‌ सभ तरहक लोक के ल' क' चल' पड़ै छै। सात मास बितैत समय नहि लगतै।"
         "समय तं लगबे करतै। सात मास लगतै। ताबत उघैत रहियनु....!"
         राम पदारथकें आर सुनल नहि भेल रहनि। हुनका अपन भाय मोन पड़लखिन। पितियौत। जेठ। वैह सातमा क्लासक बोर्ड परीक्षाक फार्म भरैत काल हिनकर जन्मतिथि लिखौने रहथिन आ आंगनमे गर्वसं‌ कहने रहथिन जे डेढ़-पौने दू बर्ख उमेर कम द' देलियैए। बेसी दिन धरि नोकरी करत। हिनक माय-बाबूकें सेहो विजयक बोध भेल रहनि। 
          तीने मास पहिनेक गप छैक। ओ भैया फोन पर हालचाल पुछलखिन, तं राम पदारथ बजलाह, "लाबादुआ मे अहींक देल जन्मतिथि कें उघि रहल छी। निमाहि रहल छी नोकरी। सही जन्मतिथि लिखायल रहितय तं रिटायर भेल रहितहुं आ एखनुक नोकरीक तनाओ सं मुक्त रहितहुं ।"
         भैया ठठाक' हंसैत कहने रहथिन, "जतबे कम लिखा देलिअ' तत्ते बेसी दिन धरि समय अबूह नहि ने लगतह। रिटायरमेंटक बादक समयक अन्दाज नहि छह, तें एना बजै छह। हौ, तों एसगरे एहन नहि छह। बर्खमे दूटा जन्मदिन मनौनिहार बहुत लोक अछि देश मे। आम लोकक बाते छोड़ह, बहुत रास कवि-लेखक सेहो छथि, जिनकर एक्के बर्ख‌मे दू बेर जन्मदिन होइत छनि- एकटा ओरिजनल आ एकटा सरकारी फाइलक अनुसार। एहिना चलै‌ छै।"
        "मुदा, भैया। हमरा लगैए जे ई ठकब भेलै।"
        "नहि, नहि। से सब किछु ने भेलै। मोनमे ई सभ नहि राखह आ जतबे बांचल छह, इन्ज्वाय करह।"
          मोन भेलनि जे भैयाकें किछु आर कहथि, मुदा संस्कारक सिक्कड़ि किछु बाज' नहि देलकनि। 
         ह्वाट्सेपक मैसेज टोन बजलनि तं मोबाइल खोललनि। पत्नी पुछने रहथिन, "आर कत्तेकाल लागत?"
         "जानि नहि। गाड़ी ड्राइवर चला रहल छै।"
        "एना बतलाइत ढेकी जकां किए बतिआइ छी? औफिसमे कोनो टंटा भेलए कि?"
        "नहि, किछु नहि।"
        पत्नी आगां किछु नहि लिखलखिन। मुदा, ओ राम पदारथक आंगुर दुनू प्राणीक पहिलुक चैट सभ पर चलि गेलनि।
         "आखिर की सोचै छियै बौआ द'? कहिया धरि बेरोजगार रहतै?"
         "हम की सोचबै? सोचतै तं अपने ने। परीक्षा तं ओकरे ने पास कर' पड़तै। हम सुविधे ने देबै। पाइए-कौड़ी देबै ने। जेठका के देलियै, पढ़लक आ जग्गह पकड़ि लेलक। एकरो तं दैते छियै। पढ़बे ने करतै तं...।"
         "अहीं जनै छियै जे नहि पढ़ै छै।"
        "आर नहि तं की? शुरुहेसं आदति छै ओकर। पढ़' बेर मे माथ दुखाय लगै आ अहां बाम ल' क' ठाढ़ भ' जइयै।" 
         "दुर जाउ। ओकरा प्रति अहांक सोचे सोझ नहि अछि। पढ़ै नहि छल तं ओहिना एम ए पास‌ क' गेल। तखन जेठका सनक चन्सगर नहि अछि, से दोसर बात। सभ आंगुर एक्के रंगक नहि ने होइ छै।"
         "तं अहीं कहू। की करी हम?"
         "से हम कहू? अहांक बुद्धि चर' गेल अछि। हमर कहब अहां कहिया मानलहुं? बौआ कहै छल जे अहां के रिटायर केलाक एक मासक बाद ओकर सरकारी नोकरीक बयस बीति जेतै। तखन...?"
         "तखन की ? हम की करबै?"
         "हमर बात सोहाएल जे करितियै। कहने रही जे जनम तिथि मे दू-तीन साल कम' क' दियौ, से तं केबे ने केलियै। राजा हरिश्चन्द्र बनल‌ रही। रहू बनल।"
         राम पदारथ आगां नहि पढ़लनि। ह्वाट्सेपक पेज बदललनि। 
         
सविता मैडमकें यथायोग्य अभिवादन क' घर दिस गेलाह। घर पहुंचलाक बाद गेट ढकढ़कौलनि तं उजरल-उपटल डीह सनक मुखाकृति लेने‌ छोटका बेटा गेट खोललकनि। गोड़ लगलकनि। 
        बेटाकें देखि क' लगलनि जे ओ ठकाएल छथि। 
         मित्रक ओहिठाम जयबामे समय छलनि। चाहक संग फेसबुक देख' लगलाह। अरे, शंकर रिटायर क' गेल। शंकर हुनक ग्रामीण छनि। हुनकासं बयसमे छोट। रांचीमे रहैत अछि। बधाइ देबा लेल ओ शंकरकें फोन कयलनि। औपचारिकताक बाद ओ पुछलकनि, "अहां कहिया रिटायर हेबै कका? की हेबे ने करबै।" 
         शंकरक बात पर हंसल तं दुनू गोटे रहथि, मुदा ओकर हंसी बेधने रहनि । से, एहन दंश विनोदसं गप कयने बरोबरि होनि। विनोद आ ओ मैट्रिक धरि संगहि रहथि। ओ रिटायर क' गेल। जखन कखनो फोन करैत छनि तं पहिने एतबे पूछैत छनि, "की रे बाउ! रिटायर कहिया करबें? सरकार के छोड़बाक मोन नहि होइ छौ, कि विभाग सं लभ भ' गेलौए?" 
         विनोद एकबेर व्यास नन्दन बाबूक उदाहरण देने रहनि, "व्यास नन्दन बाबू बला हाल नहि ने हेतौ जे पहिने बेटा रिटायर करतौ, तखन तों करबें।" 
         व्यास नन्दन बाबू स्थानीय कम्पनी मे काज करैत छलाह। कम्पनीक स्थापना कालमे ओहिना नोकरी भ' गेलनि। कहांदन हुनकर जन्मतिथिक कोनो कागते ने रहै कम्पनीमे। बेटाक रिटायर भेलाक बाद ताकाहेरी भेलै, तं व्यास नन्दन बाबू कहलखिन जे हमर ओहि घरक बेटा अछि।
         "माने?"
         "हमर पत्नीक पहिलुक पतिक संतान।"
         "तं एकर पिताक नाममे अहांक नाम किएक हेतै?"
         "हेतै ने किए? कोनो स्त्रीक संग एहन हाल होइ छै, तं पिताक नाम ककर होइ छै? जे रखने रहै छै, डेबने रहै छै, तकरे ने।"
         "ओकर बाप एकटा रहै छै, तें बापक नाम लिखाइ छै। मायक नाम‌ फराक भ' सकै छै।"
         "वाह! बाप एक आ माय कतबो, तं सभमे‌ बापक एक्के आ माय एक आ बाप कतबो ताहिमे‌ नहि? ई असमानता भेलै। ई स्त्री पर निर्भर करै छै जे अपन बच्चाक बापक नाम की लिखाएति? जे प्रतिपाल करतै सैह ने बाप कि ओ जे स्त्रीक कोखिमे पाड़ि क' लात मारि भागि गेलै, से?"
         "मुदा अहांक तर्क विभाग नहि मानत।"
         "नहि मानत तं नहि मानय। विभाग बहार करय हमर जनमतिथिक प्रमाण पत्र।" व्यास नन्दन बाबू बजलाह,‌ "औ साहेब! कम्पनी जखन बनलै, तखने सं‌ हम काज करै छी। एहि कंपनी लेल पजेबा आ गिट्टी माथ पर ढोने छी। कयल-धयल पर जय जगरनाथ नहि छी हम। विभाग हमर जनमतिथि बहार करय आ हमरा रिटायर क' दिअय।"
          कम्पनीक अधिकारी सभ बातकें झांपलनि। व्यास नन्दन बाबू सं मेल-पांच क' मेडिकल बोर्ड बैसि क' हुनक जन्मतिथि तय कयलक आ ओ रिटायर भेलाह। व्यास नन्दन बाबू मानि गेलाह। नोकरी कर'मे सकितहु ने छलाह।
          पत्नी आबि क' मोन पाड़लखिन जे कतहु जयबा लेल अयलहुंए, तखन तंद्रा भंग भेलनि। मोन भेलनि जे मित्रक जन्मतिथि ओरिजनल छनि कि प्रमाण-पत्र बला। मुदा, से बुझल नहि छलनि।   
          ओ इथ उथ मे छलाह। पत्नी तैयार छलीह। मुदा, हुनकर मोन जयबा लेल तैयार नहि छलनि। 
          ओ भैयाकें फोन करबा लेल तैयार भेलाह। भैया के कहताह जे अहांक लाबादुआ बला समय हमरा लेल बलाय भेल अछि। एकबेर हमर आजुक स्थितिक कल्पना तं कयने रहितियै।
          मुदा, ओ थम्हि गेलाह।
         भैया कहथिन जे प्रमाण-पत्रे बला सही मान' पड़तह।
          मुदा, मोन से मान' लेल तैयार नहि अछि भैया। 
          भैया फेर कहथिन- मान' तं पड़बे करतह।
          पार्टीमे जयबा लेल पत्नी बेर-बेर अगुता रहल छलीह, मुदा राम पदारथ दुमांगि पर ठाढ़ छलाह।
                     ---------
       पटना/12.01.22/ कोविडक कारणें एकान्तवासक समय।
         
        
           

Monday, February 16, 2026

प्रगति पथपर मैथिली (टिप्पणी)

प्रगति पथपर मैथिली

प्रदीप बिहारी

मैथिलीक प्रगति पथक आकलन करबाक क्रममे पहिने एहि बातक गिरह बान्हब जरूरी जे मैथिली माने मैथिली भाषा टा नहि। मैथिली माने अखण्ड मिथिला, मिथिलाक समाज। समाजक अवधारणाकें मानितहि साहित्य, कला, संस्कृति आदि आदि स्वत: सोझांमे आबि जाइत अछि। आ सांच तं ई जे समाजक बिना कोनो भाषाक अस्तित्वक कामना धरि नहि कयल जा सकैत अछि आ ने कोनो भाषाक बिना समाजक। दुनू एक-दोसराक पूरक अछि। 
       कोनो भाषाक प्रगतिक आधारकें बुझबा लेल जरूरी छैक जे ओहि भाषामे सामाजिक सम्पर्क कतेक भ' रहल छैक, साहित्य, शिक्षा, भाषाक प्रयोग कतेक भ' रहल छैक आ ओ भाषा अपन सांस्कृतिक धरोहरिकें सम्हारैत नव युगीन बोधकें कत' धरि आत्मसात क' रहल अछि।
       मैथिलीक स्थितिमे एहि बिन्दु सभपर विचार करैत एहि बातपर प्रसन्न भेल जा सकैत अछि जे हमर सभक आधार माने अतीत गौरवशाली अछि आ पुरखेक अरजल पर हम सभ एखनो मोंछ पर ताओ द' रहल छी।
       हमर भाषा मैथिली संविधानक आठम अनुसूची मे स्थान पौलकि। एक समय रेडियोक शोभा सेहो बढ़ौलकि। विद्यालय-महाविद्यालयमे चर्चामे रहल (ओना दोसर रूपें एखनो चर्चामे अछि), साहित्य अकादेमीक भाषा बनलि, सरस्वती, ज्ञानपीठ पुरस्कार लेल सेहो चौकठि ओगरलकि, भारतीय भाषा संस्थानमे सेहो एकटा कुर्सी भेटलैक। ई सभ बात हमरा सभकें तोष द' सकैत अछि।
        हमरा सभके तोष द' सकैत अछि जे मैथिली दसकोसी-पंचकोसीसं बहरा क' देश-विदेश गेलीह। ग्लोबलाइजेशनक भार उघैत ग्लोबल भेलीह। फिल्ममे जगह बनौलनि। शहर, महानगर आ परदेशमे जेना-जेना लोक गाम छोड़ि गेलाह, मैथिलीक संस्था बना-बना कहियोकाल मैथिल होयबाक बात मोन पाड़ैत रहलाह।
       संतोष करबा लेल आर बहुत रास बात भ' सकैत अछि। निर्भर एहि बातपर करैछ जे अहां कत्तेमे संतुष्ट भ' पबैत छी। आउ, किछु एहन सत्य पर गप करी जे चिन्ता आ चिन्तन लेल नोतैत अछि।
       मैथिलीक सामाजिक सम्पर्क पर विचार करैत एहि बात पर ध्यान देब आवश्यक जे मैथिली अपन समाजसं कतेक धरि जुड़ि सकल अछि। मुदा ओहिसं पहिने इहो विचारणीय जे मैथिलीक समाज कोन? एहि प्रश्नक पारिभाषिक उतारा तुरंत मोन मे अबैत अछि- कोनो जाति, धर्म आ क्षेत्रक मैथिली भाषी समाज मैथिलीक समाज थिक। मुदा व्यावहारिक दृष्टिएं ई एकटा अनुत्तरित प्रश्न एखनहु बनल अछि । मिथिलाक गाम दुबरायल जाइत अछि। रोजगार लेल पलायन अछि आ ताहि संग सभसं पहिने मैथिली छुटैत छथि।
      कहल जाइत रहल अछि जे मिथिला विद्वानक नगरी अछि। ई मान्यता हमरा सभक माथ ऊंच करैत अछि। हम सभ गर्वसं गबैत छी- 'जत' सुग्गा भखैत अछि पुराण, हुनक गाम देखियह।' शिक्षा आ विद्वताक एहन परम्परा पर गर्व करैत-करैत हम सभ वर्तमानमे ओकर अंशो भरि सम्हारि क' नहि राखि सकलहुं अछि। मिथिलामे वर्तमान शिक्षाक हालति कनियो नुकायल नहि अछि। जखन मिथिलेमे शिक्षाक ई हाल अछि तं मैथिलीमे शिक्षाक मादे कहले ने जा सकैए। मातृभाषाक माध्ययमसं शिक्षाक लेल हम सभ आफन तोड़ने छी, मुदा पढ़निहार छात्र कोना आओत, कत' सं आओत, ताहि पर हमरा सभ चिन्तन नहि क' पाबि रहल छी। हम सभ अपने परिवारक कतेक छात्रकें मैथिली पढ़ौलहुं अछि? कतेक प्रतिशत? एखनि गामो घरक मजदूर वर्गक लोकक कनियो आर्थिक स्थिति नीक होम' लगैत छै तं अपन बच्चा लेल तथाकथित पब्लिक स्कूल तकैए, जत' मातृभाषाक माध्ययमे शिक्षाक कोनो अवधारणे नहि छै।
       ओना इहो बात सांच जे मैथिली लोक किएक पढ़त आ किएक अपन नेनाकें पढ़ाओत? मैथिलीमे रोजगारक कतेक संभावना छैक? प्राध्यापक बनि सकैत छी, मुदा जनसंख्याक संग आनुपातिक दृष्टिकोणसं तकरो कतेक संभावना। पहिने विभिन्न विश्वविद्यालयमे मैथिली पढ़निहारक संख्या संतोषजनक छल, आब तं छात्रक अभावमे कतोक महाविद्यालय मे मैथिली विभाग बन्न अछि। 
        कने साहित्यिक प्रगतिक गप करी। हम सभ कहि तं दैत छियैक जे मैथिली साहित्य देशे कि विदेशियो भाषाक समकक्ष ठाढ़ अछि। एहू उक्तिक पक्षमे मैथिली साहित्यक पुरने पीढ़ीक आधार पर ठाढ़ छी हम सभ। मानल जे एखनुक रचनामे नव विषयवस्तु, नव शिल्पक प्रयोग बढ़ल अछि, मुदा एहि वृद्धि कें संतोषप्रद नहि मानल जा सकैत अछि।
        सोसल मीडियाक एहि युगमे सभसं बेसी साहित्ये प्रभावित भेल अछि। ओहूमे पठनीयता। डिजिटल माध्यम अपना सभ ओहिठाम ठोरे टा पर अछि। 
         पहिने प्रकाशन कठिन छल, तं लेखन गुणवत्ता छल। आब प्रकाशन सहज भेल अछि तं साहित्य लेखन तूर सन भेल अछि। बहरायल आ फाहा बनि उड़ि गेल। पहिने कम-सं-कम हजार प्रति पोथी छपैत छल आ बिकाइतो छल, मुदा आब बेसी-सं-बेसी एक सय प्रति छपाइत अछि। सेहो अधिकांश बिलहले जाइत अछि। पोथीक पीडीएफ-पीडीएफक खेल बेसी होइत अछि। किछु पोथीकें भाग्यशाली मानि सकैत छी, जे बिकाइत अछि। मुदा तेहन पोथीक प्रतिशत एतेक कम अछि जे रेखांकित नहि कयल जाइत अछि। पहिने किछु संस्था सभ पोथी प्रकाशनमे रुचि लैत छलाह, आब लेखक अपना पाइक छपबैत छथि आ बिलहै छथि। एहन हालमे प्रमुख गतिक ग्राफकें कोना नापल जा सकैत अछि?
        चूंकि मैथिली शिक्षाक माध्यम नहि बनि सकल अछि, तें पठनीयताक संकट अछि। नव पीढ़ीक लेल उदासीनताक कारण अछि। 
       मैथिलीक हाल ई अछि जे ई भाषा कलममे जतबे मजगूत अछि, कंठमे ओतबे कमजोर। मैथिली घर-परिवारमे प्रचलित नहि भ' सकलीह अछि।
        फेसबुकक कारणें लेखक बढ़लाह अछि, साहित्यक गुणवत्ता घटल अछि। जाहि प्रकारक उजाहि सम्पादक विहीन फेसबुक नामक पत्रिका पर उठल छैक, मैथिली कलममे सेहो कमजोर होम' लगलीह अछि।
         हं, मैथिलीक प्रयोग रील आ स्टोरी बनयबामे बढ़ल अछि। यू ट्यूब मे बढ़ल अछि। ई भाषाक प्रचार लेल जतबे सहायक अछि, भाषाक संग दुराचार लेल सेहो ओतबे। थोड़ेक सावधानी सं एहि चैनलक सकारात्मक उपयोग क' भाषाक विस्तृतिक प्रयास कयल जा सकैत अछि।
      सरकारी उपेक्षाक विरुद्ध सेहो प्रयास जरूरी। मैथिली भाषाक मुद्दा भोटक मुद्दा बनय। आ, ताहि लेल जरूरी छैक जे मिथिलाक सभ वर्गक लोक एकरा अपन अस्मितासं जोड़ि क' देखथि। एखनहु समय नहि बितलैए। कवि उदय चन्द्र झा 'विनोद'क कविता एखनो प्रासंगिक अछि- किछु नहि बितलैए...
       अंतमे, हम पुन: ओही गप पर जोर देब' चाहब जे पुरखाक बनाओल देबाल पर रंग-रोगन जरूरी, मुदा ओहूसं जरूरी जे अपन देबाल सेहो ठाढ़ कयल जाय। मैथिलीकें कंठ-कंठ धरि पहुंचाएल जाय। 
                   ++++++
मिथिला विभूति पर्व रहिका (मधुबनी) 30 मार्च 2025 विचार गोष्ठीमे पढ़ल गेल।