Sunday, September 14, 2025

आम आदमीक लsगक कथा (भूमिका)

भूमिका

आम आदमीक लगक कथा
.   (फोटो - केदार कानन)
प्रदीप बिहारी

हमरा हाथमे प्रिय भाइ केदार काननक कथा-संग्रह 'अथ चैम्बर कथा'क पाण्डुलिपि अछि। पाण्डुलिपि भेटितहिं करेज सूप सन भ' गेल। से एहि दुआरें जे ई चिरप्रतीक्षित छल। 

हिनक कथाकारक स्वरूप नव रचनाकार लग प्राय: ओत्तेक जगजियार नहि होयतनि, मुदा पुरान रचनाकार लग कथाकार केदार कानन चिरपरिचित आ लोकप्रिय छथि। हिनक कतोक कथा मैथिलीक विभिन्न पत्र-पत्रिकामे प्रकाशित भ' लोकप्रिय भ' चुकल अछि। एहि संग्रहक आगमन, तें महत्वपूर्ण अछि।

हिनक एहि संग्रहमे प्राय: सतरह गोट कथा अछि जे वर्ष 1979 ई सं 1994 ई.क मध्य लिखल गेल आ प्रकाशित भेल अछि। ई कथा सभ एहि समयावधिमे प्रकाशित मिथिला मिहिर, वैदेही, अनामा, अर्पण आदि पत्रिकामे प्रकाशित भेलनि। पनरह बरखमे संख्यात्मक रूपें ई सतरहटा कथा भने कम लागय, मुदा गुणवत्ताक दृष्टिकोणें सभ कथा स्तरीय कथाक शर्तकें पूरा करैत अछि। अपन प्रासंगिकता आइयो कायम रखने अछि। 
 
उक्त कालखण्डमे देश भीषण परिवर्तनक स्थिति देखलक। एकरा सामाजिक परिवर्तन, आर्थिक संकट आ जातीय-धार्मिक तनाओक समय सेहो कहल जा सकैछ। सामाजिक चेतनाक उभार सेहो एहि कालखण्डमे देखल जा सकैछ। एहि पोथीक कथा सभ पढ़ने पाठककें लगतनि जे कथाकार एहि परिवर्तन सभक साक्षी रहलाह अछि आ अपन रचनाधर्मिताकें समाजक संग जोड़ि क' रखलाह अछि। कोनो लेखकक ई प्रयास आ प्रयोग ओकरा सभ दिन लोकप्रिय बनौने रहैत छैक। 

एहि परिवर्तनक प्रभावें सामाजिक परिवेशमे लोकक व्यस्तता बढ़ब शुरुह भेल, रोटीक समस्या, बेकारीक समस्या बढ़ल आ तकर कारणें बढ़ल तनाओ, लूट, अपहरण, शोषण आ घूसखोरी। एहि पोथीक कथा सभमे कथाकार बहुत सूक्ष्मतापूर्वक तात्कालीन समयकें पकड़लनि अछि। बहुत निर्भीकताक संग व्यवस्थाक कुरूपताकें पाठकक समक्ष अनलनि अछि। बिनु कोनो राग-लपेटकें सत्यकें उजागर कयलनि अछि- जेना, जस की तस धर दीनी चदरिया...
 
आ, से हिनक एहि संग्रहक कथा 'नाटक', 'तामस' आ 'आतंक'मे देखल जा सकैत अछि। कथा 'नाटक'मे स्वास्थ्य विभागमे व्याप्त अराजकताकें उजागर कयल गेल अछि। अस्पतालमे भर्ती अपन भाउजिक सुश्रुषामे लागल नायक राजीवकें अस्पतालक दरबान कोना प्रेमपूर्वक अनर्गल टाका लैत छैक, से देखाओल गेल अछि। सोझे नहि मंगैत छै, मंगबा लेल नाटक करैत छैक। भोरुका दरबान रोगीकें नमहर सन सलाम ठोकैत हालचाल पुछैत अछि आ जिज्ञासा करैत अछि जे केहन मोन छनि। तकर बाद बजैत अछि - सब कुछ ठीक हो जेतै‌ चिन्ता के बात नहि हइ। कोठरीसं बहराइत काल राजीवकें संग करैत अछि आ बाहरमे कहैत अछि- 'कोनो बात नहि। डाक्टर सभकें हम कहि देलियै। आब धीरे-धीरे मोन ठीक होइ जेतै। लाब' आब हम चलब। जतरा बना द'।'
 
सहानुभूतिक शब्द कहि 'जतरा बनायब' माने चाह-पान लेल टाका मांगब। दरबान कहैत छैक जे भोरे-भोर चाह ताह नहि पीबै? तहिना दोसरो दरबान पहिले सन सहानुभूति प्रकट करैत चाह आ एकटा सिकरेट लेल मुंह खोलि एकटकही मंगैत छैक। कथा-नायककें चाह-सिकरेट लेल दरबानक नाटक देखि छगुन्ता नहि होइत छनि, ओकर क्षुद्रतापूर्ण व्यवहार पर हंसी लगैत छनि। आ, नाटकक रूपमे स्वास्थ्य विभागक नंगटै देखैत छथि पाठक।

कथा 'तामस'मे रिक्शबला पर उठल नायकक तामसकें बड़ कुशलतापूर्वक प्रस्तुत कयलनि अछि। हमरा जनैत तामसक फराके मनोविज्ञान देखयबाक प्रयास छनि कथाकारक। पहिने ओत्तेक रौद आ गुमारमे रिक्शा नहि भेटब, भेटबो कयने अनर्गल पाइ मांगब नायकक तामसकें बढ़बैत छैक। मुदा ओ तामस अव्यक्त रहैछ। उचित किराया पर रिक्शा भेटलाक बाद नायकक चेहराक विजय-बोध आ पहिलुक रिक्शा बला लग बाटे जाइत काल घुरि क' ओकरा दिस तकबाक मोन बनाएब, मुदा ताकब नहि। एहि दृश्यक संयोजन कथाक क्लाइमेक्समे महत्वपूर्ण बनबैत छैक। अव्यक्त तामसक प्रस्तुतीकरण पाठककें नीक लगतनि।

कथा 'आतंक'क नायक परमाक व्यवहारसं डेरायल ओकर मित्र सभक असमंजसक परिस्थितिक निर्माण नीक जकां एहि कथामे भेल अछि। परमा सन लोक प्राय: गाममे पाओल जाइत अछि, जे बेरोजगारे रहि जाइछ वा अपन विचारधारा समाजकें मनाब' लेल अपस्यांत भ' हारि जाइछ आ ओकर व्यवहार अस्वाभाविक भ' जाइछ, हिंसक भ' जाइछ। आ, समाजक लोक ओकरासं कन्छी काट' लगैछ। मुदा, ओकर मित्र ने ओकरा संग रहि पबैछ आ ने ओकरासं फराके। एहि परिस्थितिकें उकेरैत कथा 'आतंक' पाठककें बान्हि क' राख'मे सफल होइत अछि।

एकटा कथाक चर्च कर' चाहब, ओ थिक 'परती'। ई अभावक कथा थिक, संगहि होस्टलमे रहि क' पढ़ैत एकटा छात्रक संघर्ष-कथा सेहो। घरसं महिनबारी खर्च आब'मे विलम्ब भेने कोनो छात्रक केहन स्थिति भ' सकैछ, तकर अद्भुत चित्रण अछि एहि कथामे। कथाक छोट-छोट तत्व आ क्षणकें बहुत महीनीसं वर्णित कयल गेल अछि। जेबीमे पाइ नहि रहने चाहक दोकान परक स्थिति आ मेसक बकियौता भ' गेने आन-आन छात्र सभकें भोजन क' घुरि गेलाक बाद भोजन कर' जायब। आदि-आदि। कथाक अंतमे ओ नायक एकटा बाट बनबैत अछि अपना लेल। एकटा प्रेसबला बहुत दिनसं प्रूफ देख' कहैत रहैत छलैक, मुदा ओ गछैत नहि छल। आंखिक इलाजक बाद ओकर काज ओ करत, से सोचय। मुदा, नहि। ओकरा बुझयलैक जे आंखि देखयबासं बेसी महत्वपूर्ण प्रूफ पढ़ब थिक। प्रूफ देखलासं ओकरा नियमित पाइ भेटैत रहतैक। ई कथा संवेदनशील लोककें उद्वेलित करैत छैक। 
 
एहने एकटा कथा अछि 'फट्टौन'। एहि कथाक विषय-वस्तु सेहो अभावेक गीत सन अछि। मुदा, एकर प्रस्तुतीकरण गस्सल आ मर्मस्पर्शी अछि।
 
एहि संग्रहक आनो-आन कथा सभ जेना- 'उत्तेजना, अपनैती, एकरसता, सुल्फा, पौडर, आ शीर्षक कथा अथ चैम्बर कथा' आदिमे हमरा सभक चिन्हल-जानल पात्र-चरित्र सेहो देखबामे अबैत अछि, ओकर जीवनानुभूति, संयोग-वियोग आ हंसब-बाजब सेहो अछि। ई पात्र सभ पाठककें अपन कात-करोटक पात्र बुझयतनि आ तें एहि पात्र सभक कारणें पाठक कथा सभसं जुड़ल रहताह। कथा पढ़ने अपने अनुभव करब जे कथाकार आम आदमीक कतेक लगक लोक छथि, आम लोकक दुख-सुख, राग-विराग, हर्ष-पीड़ा, सोहर-समदाउनकें संवेदनाक संग देखैत छथि, गुनैत छथि आ कथाक विषय बनबैत छथि। हिनक कथा सभमे  समसामयिक, वैचारिक आ यथार्थक संदर्भ मुख्य रूपसं देखाइत अछि। मानव मूल्यक ताकाहेरी, समाजक बदलैत स्वरूपक चित्रण आ परिवर्तनजन्य नीक-बेजायसं उपजल मानसिक अन्तर्द्वन्द्वक सटीक प्रस्तुति भेल अछि। केदार भाइक कथा सभमे रेखांकित करबा योग्य इहो बात अछि जे हिनक कथा मूलत: आ विशेषत: सामाजिक पर्यवेक्षण करबाक आ मानवीय तथ्य आ संवेदना धरि पहुँचबाक प्रयास करैत अछि।

एहि संग्रहमे संग्रहित कथा आकारमे सामान्य सन अछि। किछु कथा ओहूसं छोट, मुदा शैल्पिक दृष्टिएं लघुकथा नहि। पूर्ण कथा अछि। एतेक छोट आकारमे कथा लिखब एकटा चैलेंज होइत छैक। जेना- कथामे वर्णनात्मकताक निर्वहन, ओकर परिवेशक निर्माण, दृश्य-बंध, कथा-वस्तुक समुचित प्रसार, भाषा, संवाद, आदि। एकर सभक समायोजन चैलेंज होइत छैक आ ताहिमे कथाकार सफल छथि।

केदार भाइ कथा लिखलनि, कविता लिखैत छथि, अनुवाद खूब करैत छथि, सम्पादन आ प्रकाशन सेहो तहिना। खूबे। ई क्रम आब ततेक भकरार भ' गेल अछि जे कथेतर गद्य आ संस्मरण सेहो ओही गति आ ऊर्जासं लिखि रहल छथि। कार्यक्रम-संयोजन आ व्यवस्थापनक व्यस्तताक संग उक्त काज सभ समान रूपें करैत छथि, जे ककरो लेल सेहन्ताक विषय भ' सकैत अछि। मुदा...

मुदा...केदार भाइ कथा लिखब छोड़ि देलनि। ई संग्रह अद्यावधि हुनक लिखल प्राय: सभ कथा सभक संग्रह अछि। एकटा नीक कथाकारक नीक-नीक कथा सभसं साहित्यक पाठक वंचित रहि गेल अछि। एहि पोथीकें पाठकक असीम स्नेह भेटतैक, से विश्वास हमरा सहजहिं अछि। संगहि हमरे नहि, पाठकलोकनिकें सेहो भरोस रहतनि जे केदार भाइक आर नव-नव कथा पढ़बा लेल भेटतनि।

एहि कथा-संग्रहक प्रकाशनक अवसर पर हम आदरणीय केदार भाइकें शुभकामना आ बधाइ दैत छियनि।
                  #####            
                          बेगूसराय/23/08/2025

नव डेग (भूमिका)

भूमिका 

नव डेग
(कंचना झाक कथा-संग्रह 'नव भोर'क भूमिका)
प्रदीप बिहारी

हमरा हाथमे कंचना झाक कथा संग्रह 'नव भोर'क पाण्डुलिपि पी डी एफ रूपमे अछि। एहि नामसं हमर परिचिति जनकपुरक एकटा साहित्यिक-सांस्कृतिक समारोहमे भेल छल। ओहिठाम ई अनुवादक सत्रक विचार गोष्ठीमे आयल रहथि। संयोगवश ओहि गोष्ठीमे हमहूं रही। तें प्रथम दृष्ट्या हम हिनका अनुवादक बुझलियनि। मंचसं परिचयो यैह देल गेल छल जे ई नेपाल प्रज्ञा प्रतिष्ठानमे अनुवाद समितिक सदस्य छथि।

हम अपन अनुवाद पत्रिका 'अंतरंग' लेल हिनकासं नेपालीक किछु रचना सभक हिंदी अनुवाद लेल सहयोग लेल आ ओहि रचना सभकें पत्रिकामे प्रकाशितो कयल।

कहियोकाल साहित्यिक गपसप होइत रहैत छल आ ताही क्रममे हमरा हिनक कथाकार रूपसं परिचय भेल, तं मोन आनन्दित भेल। भेल जे नेपालमे मैथिली कथाक क्षेत्रमे एकटा भरोस आर जागल। जें कि नेपाल हमर आरंभिक कार्यक्षेत्र रहल अछि आ आब सम्बन्ध-क्षेत्रमे‌ सेहो अछि, तें नेपालमे होइत साहित्यिक गतिविधि (मैथिली आ नेपाली) आकर्षित करैत अछि आ तोष दैत अछि। तें हिनक कथा-संग्रहक पी डी एफ पाण्डुलिपि देखि मोन हुलसि गेल।

'नव भोर'मे सतरह टा कथा संग्रहित अछि आ सतरहो विभिन्न भाव-भूमिक कथा अछि। कथाकारक निर्दोष प्रयास अछि। कथा सभ पढ़ने पाठककें लगतनि जे कथाकार एहि बातक ध्यान रखलनि अछि आ प्रयास सेहो कयलनि अछि जे कथामे कोनो पासंग नहि रहि जाइक। संतुलित रहय। बैलेंस्ड।
 
संग्रहक पहिले कथा 'नव भोर' जे पोथीक नाम सेहो अछि, मे समयक संग परिवर्तनक गप क' एकटा सकारात्मक गप राखलनि अछि।  'अनुराधा' नामक उपन्यास, जे पुरस्कृत होइछ, केर पात्र अनुराधाक बहन्ने स्त्री-विमर्शक गप कहैत छथि। दाम्पत्य जखन मात्र औपचारिकता लाग' लगैत छैक, ओहिमे प्रेम आ मित्रता तकनहुं नहि भेटैत छैक, तखन अनुराधा अपना लेल बाट बनबैत अछि। स्त्री-स्वातंत्र्यक बात कहबाक प्रयास कयल गेल अछि।
 
कंचना झा जीक एहि संग्रहक बेसी कथा स्त्री-विमर्शकें नोतैत अछि। मिथिलाक स्त्रीक दशा आ स्त्रीक संग होइत पारम्परित व्यवहारक चित्रण आ ताहि परिस्थितिसं स्त्रीकें बहार क' स्वतंत्र अस्तित्व प्रदान करबाक बात ई अपन कथा मे करैत छथि। 
 
एकटा कथा अछि- गंतव्य। ई परित्यक्त दम्पतिक कथा अछि जे विवाहक बाद वा ई कही जे सम्बन्ध विच्छेदक पनरह बरखक बाद एक यात्रा क्रममे एक-दोसराकें देखैत अछि। दुनू चाह पीबा लेल जाइत अछि। चाहक दोकान पर बैसल नायिका रश्मिकें अतीत मोन पड़ैत छैक। मोन पड़ैत छैक जे कोना ओकर इच्छाक विरुद्ध विवाह भ' गेल रहैक। आ वर ओकरामे अति आधुनिका तकैत रहल आ तिरस्कृत क' एक दिन केबाड़ बन्न क' बहरा गेल। समयक संग नायिका अपन फराक आ स्वतंत्र जीवनक बाट बनबैत अछि। सफल होइत अछि, प्रतिष्ठा भेटैत छैक। नायक एकबेर ओकरा पुन: संग रहि नव जीवन शुरू करबाक आग्रह करैत छैक, मुदा नायिका तकरा नकारि जाइछ। नायिकाक निर्णय ओकर दृढ़ता कें बतबैत छैक संगहि स्त्रीक वैचारिक उच्चता सेहो देखबैत छैक।

एही क्रममे एकटा कथा 'अंतिम इच्छा' कें सेहो देखल जा सकैत अछि। मरणासन्न पत्नीक अंतिम इच्छा जे ओकर पति ओकरा मुइलाक बाद बियाह क' लिअए आ ताही लेल ओ पतिसं वचन लेब' चाहैत अछि। जीवनक उत्तरार्द्धेमे पति-पत्नीकें एक-दोसराक सभसं बेसी खगता होइत छैक। एक-दोसराक सहयोगी होइत अछि। ओहि समय धियापुता अपन-अपन काज-रोजगारमे लागि जाइछ। पत्नीकें बुझल छैक जे ओ नहि बांचति, तें पतिसं वचन लेब' चाहैत अछि जे ओ ओकरा बाद बियाह क' लिअय। नायिका उदाहरण दैत छैक जे एक गोटें कमे बयसमे विधवा भ' गेलि। तकर बाद ककरोसं बतिएबो करय तं समाज दोसरे उधबा उठा दैक। लांछने लगाब' लगैक। तेहने डर नायिकाकें अपन पतिक मादे सेहो छैक। दोसर बात ओ चाहैत अछि जे ओकर पति ओकरा बाद सुरक्षित आ निष्कलंक जीचन जीबय। पतिक प्रति प्रेमकें सेहो ई बात प्रदर्शित करैछ। कथाक अंतमे ओहि दम्पतिक दुनू संतान मायकें भरोस दैत अछि जे हुनक अंतिम इच्छाक पूर्ति होयतनि।

एहिना हिनक कथा 'सखी' एकटा फराक आयाम प्रस्तुत करैत अछि। ओ ई जे पतिक पूर्व प्रेमिकाक नाम पत्र अछि ई कथा। बियाहक बादो नायिकाक पतिक मोनमे ओकर पूर्व प्रेमिके छैक, तें पत्नी ओकरा लेल वस्तु आ निंघेस सन छैक। नायिका अपन दुख ओहि महिला कें कहैछ। एकठाम चैलेंज सेहो दैछ जे हम अपन पति कें अहां लग पठा दैत छी, जं हिम्मति अछि तं अहां दुनू गोटें रहू। मुदा, व्हाट्स एप आ मैसेंजर पर जेहन-जेहन गपसप करैत छी, से नहि करू। पति आ बच्चा देखत तं की होयत?

कथाक अंत बड़ मार्मिक ढंगे होइत अछि। नायिका ओहि महिला (पतिक प्रेमिका)कें कहैत अछि जे ओ ओकर पतिसं भेंट कर' चाहैत अछि आ पूछ' चाहैत अछि जे ओहो एकरे सन वस्तु बनि क' नहि ने रहि गेल अछि।

आत्मालापक शिल्पमे लिखल कथा अछि 'बैमनमा'। प्रसूतिएमे छोड़ि क' अनचोके पड़ाएल पतिक स्मरणक संग पत्नीक संघर्षक कथा कहल गेल अछि। पचीस बरखक बाद पतिक आयब। पत्नी द्वारा दंडस्वरूप ओकरा अस्वीकार कयल जायब कथाक क्लाइमेक्स बनैत अछि। पतिकें घुरि गेने ई निश्चिन्तताक बोध होयब जे आब दु:स्वप्न सं भेटल, एक प्रकारक मोहभंग छैक। मोनक कोनमे जं कनियो प्रेम रहल हेतैक तं ओकर अवसानक बात अंतमे देखाइत अछि। 

एहि कथाक वर्णनात्मकता पाठककें बान्हबाक प्रयास करैत छैक, मुदा कथाकें जल्दीए अपन क्लाइमेक्स पर चलि गेलाक कारण प्रभाव कने कम भ' जाइत छैक। ई कथा विस्तार मंगैत छैक। 

संयुक्त परिवारक टुटनक एकटा कथा, जे पाठककें चिन्ता आ चिन्तन लेल वाध्य करतनि, ओ अछि- 'अलग चुल्हा'। ओहुना वर्तमान समय आ समाजक संरचनामे 'न्यूक्लियर फैमिली'क चकनसारि पसरि गेल छैक। एकर लाभ-हानि लोक भोगैए, मुदा एखनुक इनारमे एत्तेक ने भांग घोराएक छैक जे मुट्ठी भरि खुशीक लेल ढाकी भरि अवसाद लोककें भारी नहि लगैत छैक। से, पारिवारिक बटवारा सन विषय ल' क' लिखल कथा 'अलग चुल्हा' आम परिवारक कथा बनि सकल अछि। कथा कहैत अछि जे व्यक्तिगत पहिचानक अहंकार केहनो सुगठित परिवारकें खण्ड-खण्ड क' दैत छैक। कथामे बड़ महीनीसं एकटा चिन्ता देखाएल गेल अछि, ओ ई जे रातिसं चुल्हा अलग भेलाक बाद आर सभक नैहरक बर्तन-बासन तं ओकरा सभसं काज लागि जयतैक, मुदा राघोपुरवालीक? हुनक अवस्था बहुत नीक नहि छनि। कमलपुरवाली कनियाक बच्चा सभ छोट छैक, ओकरा बुते भानस-भात कयल कोना होयतैक? ओकर बच्चा भुखले रहु जयतै? आ, खण्डित होइत घरक डरीड़ पर ठाढ़ि घरक मुख्य महिला लक्ष्मीक मोनमे ई चिन्ता उभरैत छैक। ओ नहि चाहैत अछि जे बटवारा होइक, मुदा कथाकार कहैत छथि जे एहिबेर ओकरो हाथसं मामिला बहरा गेल छैक। कथा पठनीय अछि।

एहि संग्रहक आन-आन कथा जेना 'सिनेहक डोर', 'मात्र एकटा गलती', 'भरदुतिया', 'हमर परदेसिया' आदि कथा सभ लोक आ समाजक चिन्ता करैत अछि। अपन सहज अभिव्यक्तिक कारणें पाठकक मोनमे जगह बनयबामे सफल होयबाक गुण एहि कथा सभमे भेटैत अछि।

एकटा बात देखल जे एहि संग्रहक कथा सभमे बहुतो कथाकें समाप्त करबा लेल कथाकार हड़बड़ीमे बुझाइ छथि। कथा सभ अपन बात कहि दैत छैक, मुदा कथाक विस्तारसं जे 'किस्सागोई'क रस बहराइत छैक, से कने कम लगैत छैक। कंचना जीक ई पहिल संग्रह छनि। अगिला संग्रहक कथा सभमे एहि बात पर अबस्से गंभीरतापूर्वक विचार करतीह। ओना पहिल संग्रहक कथा झुझुआन कतहुसं नहि छैक, हिनक भविष्यक कथाकारक मजगूत न्यों छैक।
 
कंचना झाक कथा-भूमि शहर आ महानगर बहुत कम अछि। मिथिलाक गाम बेसी अछि। मिथिलाक बदलैत लोक अछि। चूल्हि-चिनवार अछि। मानवीय संवेदना अछि। दाम्पत्य जीवनक त्रासदी अछि, प्रेम सेहो। स्त्रीक स्वतंत्रता आ आत्मनिर्भरता अछि। हिनक कथा एहन स्त्री, जकरा बाछी जकां गरदामी लगा क' ककरो हाथमे थम्हा देल जाइत छैक, केर संग ठाढ़ भ' एहन प्रचलनक विरोध करैत अछि। कथा सभमे बदलैत समयक अनुसार नव पीढ़ीक उदारता सेहो छैक। माता-पिताक एनवर्सरी मनयबामे व्यस्त धियापुता छैक। माने पुरातन आ अधुनातन मिथिला हिनक कथामे अछि। सुखद ई जे मिथिला अछि, बदलैत मिथिलाक स्वरूप अछि आ मैथिली कथामे मिथिलाक होयब बड़ी टा बात अछि।

कंचना झा जी बहुआयामी प्रतिभाक धनिक थिकीह। हिनक बायोडाटा जे हिनक विभिन्न क्षेत्रक काज सभक झलकी देखबैत अछि, सं साहित्य आ समाजक अपेक्षा हिनकासं सहजहिं बढ़ि जाइत छैक। मैथिली कथाक क्षेत्रमे सेहो पाठक हिनका दिस उमेदक नजरिए तकैत रहताह, कारण अपन पहिले कथा-संग्रहमे ई अपन दृष्टि फड़िच्छ रखने छथि। आगां जतेक बेसी लिखतीह, शिल्प मंजाइत रहतनि। 

कंचना झा जीक एहि कथा-संग्रह 'नव भोर'कें हम  'नव डेग' मानैत छी। एहि पोथीक प्रकाशन पर हम हिनका शुभकामना आ बधाइ दैत छियनि जे मैथिली कथाक क्षेत्रमे हिनक डेग बढ़ैत रहनि।
                        #####
                      बेगूसराय/31 अगस्त 2025

अपन हिस्साक काज करैत कथाकार (मैथिली आलेख)

आलेख

अपन हिस्साक काज करैत कथाकार
प्रदीप बिहारी

काल्हि जेठ बालक फोन पर जिज्ञासा कयलनि जे पापा की सभ क' रहल छी? हमरा प्रसन्नता भेल, अचरज सेहो। भेल जे आइ ओ आराममे छथि। कार्यालयी कोनो तनाओ नहि छनि।‌ से एहि दुआरे जे अनदिना हुनकर हालचाल पुछबाक ढंग दोसर रहैत छनि। अनदिना पूछता- नीके छी ने पापा। मोन ठीक अछि ने। दवाइ समय पर लै छी ने। आदि, आदि। मुदा, आइ जखन ई पुछलक जे की सभ क' रहल छी, तं हुलसि गेलहुं। से एहि दुआरे जे हुनका अपन साहित्यिक आ पत्रकारिताक आरंभक दिन मोन पड़ल होयतनि मने, जे वर्तमान नोकरीमे प्राय: पूर्णतः छुटि गेल छैक।

हम पुत्रक खुशीक गौरव बोधमे मग्न भ' गेलहुं। मुदा ओ बेसी काल रह' नहि देलनि। कहलनि- सोचैत छलहुं जे फेर स' पढ़ब-लिखब शुरू करी। नोकरीक व्यस्तता त' रहबे करतै। जेना नोकरीमे अपन हिस्साक काज करैत छी, तहिना साहित्यो फेर स' शुरू करी। पहिने पढ़ी, तकर बाद...। 

मुदा, एखनि हम आदरणीय विभूति आनन्दक टटका संग्रह 'कथा '24' मे संकलित कथा सभ पढ़ि रहल छी, जे प्रकाशन-प्रक्रियामे अछि। कथाकार विभूति आनन्द मैथिली कथाक जाहि शिखर पर छथि, ओहिठाम हुनक कथाक भाषा पर गप करब उचित नहि लगैए। कारण, कथा-भाषा'क अपन जे 'स्टाइल' ओ कायम क' लेने छथि, तकर निर्वहन हुनक कथामे होयबे करतनि। 'स्टाइल' जत' छनि, ओत' सं आगुए बढ़तनि। पाछां अयबाक स्थिति अयबाक संभावना स्वीकारल नहि जा सकैछ। कथाक शिल्पक मादे ई बात नहि कहल जा सकैछ। कथाकारक शिल्प बदलैत रहैत छैक आ बदलैत रहक चाही। ई जरुरियो छैक।

रहल गप कथ्यक। तं हिनका सन वरिष्ठ कथाकारसं ई उमेद तं सहजहि रहैत छैक जे कथाक कथ्य टटका होनि, समयोचित होनि आ समाजमे घुलल-मिलल होनि। कथा निष्पक्ष होनि। आन्हरकें आन्हर आ कुईर कें कुईर कहैत होनि।

जेनाकि हिनक कथा-संग्रह 'कथा '23' मे हम हिनक कथाक विकासक ग्राफ पर चर्च कहने रही, हिनक कथा-दृष्टि आ कथाक 'प्लाट'क चयन पर गप कयने रही। मुदा, एखनि हम गप कर' चाहब जे सामाजिक-सांस्कृतिक-आर्थिक बदलावक संग विभूति भाइ कोना अपन कथाकारकें जोगा क' आ सक्रिय रखने छथि। वैश्विक चबूतरा पर पटकायल सीसा जकां व्यक्ति आ समाज कोना खण्ड-खण्ड भेल अछि। तकर किछु खण्ड अपन चमकी बचयबा लेल कोना उपलायल अछि, किछु खण्ड अपन अस्तित्व लेल कोना‌ संघर्षरत अछि? तं, ताहि लेल एहि संग्रहक कथा सभकें पढ़ब आवश्यक‌ होयत। आ कथा पढ़लाक बाद बुझना जायत जे कथाकार 'नवता'क जबर्दस्त आग्रही छथि। समयकें चिन्हबाक सेहो।

से एहि संग्रहक पहिल कथा 'कोखि'मे भेटत जे ओकर नायिका धीया-पुताकें नमहर भेलाक बाद अपना लेल रोजगार शुरू करैए। रोजगार टाका-पाइ लेल टा नहि, ताहि लेल कमौआ पति छथिने, समय काट' लेल, जीवनक अनुभव लेबा लेल सेहो शुरू करैए। आ एकदिन एहन अबैत छैक जे ओकर ब'र ओकरासं पाकेट खर्च लेल खुदरा पाइ मंगैत छैक। पति कें खुदरा पाइ दैत कालक नायिकाक गौरव बोध देखितहि बनैत छैक। कथामे ओकर प्रतिस्थापन सेहो बेजोड़ ढंग सं भेलैक अछि। नायिकाक अनुभवक मनोवैज्ञानिक प्रस्फुटन सेहो कथामे आयल छैक, तकरा पकड़ि सकबाक अपेक्षा वरीय कथाकारसं पाठकक होइत छैक आ ताहि मामिलामे पाठक निराश नहि भेल अछि।

हम 'नवता'क गप कयलहुं। ओकरा‌ एहि तरहें बुझल जा सकैत अछि आ अपनेसभ बुझितहुं होयब जे समाज आ संस्कृतिक संदर्भमे ई एकटा बौद्धिक आन्दोलन सेहो छैक, जाहिमे परम्परागत विचार, सामाजिक बनौट आ धार्मिक अवधारणा सभसं फराक एकटा नव दृष्टिक प्रस्तुति होइत छैक। नव विचार, लोकक आत्म अभिव्यक्ति, व्यक्तिगत परिचिति आ स्वतंत्र विचार केन्द्रमे रहैत छैक।
 
वैश्वीकरण आ डिजिटलाइजेशनक बाद एहि 'नवता'क अवधारणाक बिस्फोट समाजमे कोन प्रकारें भेलैक अछि, तकरा कुशलतापूर्वक कथाकार एहि संग्रहक कथा सभमे पकड़लनि अछि। ओकर सकारात्मक आ नकारात्मक, दुनू स्थिति आ प्रभावकें उकेरलनि अछि। समाज कें सावधान कयलनि अछि आ आत्म-सम्मानक संग व्यक्तिगत स्वतंत्रताक रक्षाक लेल अपन पात्रक संग ठाढ़ सेहो भेलाह अछि। एहि संदर्भमे एकटा कथा 'उनटन' देखल जा सकैत अछि।

'उनटन' कथामे कथाकार बड़का साहस देखौलनि अछि। व्यक्तिगत आत्म-सम्मान आ स्वतंत्र अस्तित्वक कुप्रभावक प्राय: अन्तिम नियताप्तिक रूपमे एहि कथामे  सहोदर आ सहोदराक आत्मीय आ दैहिक सम्बन्धकें देखाएल गेल छैक। कोटामे तैयारी कर' गेल दुनू भाय-बहिन जखन दू-तीन बर्ख घर नहि घुरैत छैक आ माय फोन क' बेटीकें कहैत छैक जे ओ सभ आब ओकर बियाह क' देब' चाहैत छथि। बेटी कोनो स्पष्ट जवाब नहि दैत छैक। तखन ओ भायक समाचार पुछैत छैक। मुदा ताहि समय एकटा बच्चाकें कानबाक स्वर सुनाइत छैक। माय ओहि स्वरक मादे पुछैत छैक, तं बेटा कहैत छैक- 'तोहर पोता कनैत छौ।'

'उनटन' कथासं कोनो संवेदनशील लोकक दिमाग झनझना सकैत छैक। मुदा, एकर कथानक सत्य छैक। आधुनिकता आ स्वतंत्रताक चकमकीमे जीबैत आजुक समाजमे सम्बन्धकें बुकनी-बुकनी करैत कतोक एहन घटना सभ भ' रहल छैक, जे बरोबरि सुनबा-पढ़बामे अबैत अछि। एहन-एहन घटना आब एत्तेक ने संख्यामे होम' लागल छैक जे सामान्य रूपें लोकक संवेदनाकें भोथ क' रहल छैक। एहि यथार्थ कें कथाक विषय बना क' समाजकें चेतयबाक अपन दायित्वक निर्वाह कयलनि अछि कथाकार।

विभूति आनन्दक कथा सभक एकटा महत्वपूर्ण उपांग बनि गेल अछि - मोबाइल। से, प्राय: एहि दुआरे जे मोबाइल एखनि समाजेक महत्वपूर्ण उपांग बनि गेल अछि आ ओहो समाजेक लोक छथि, समाजेक कथा लिखैत छथि। तें अपने सभ देखब से हिनक कथामे मोबाइलक विभिन्न ढंगे उपयोग भेल अछि। आब हिनक बेसी संवाद-कथामे संवादक माध्यम मोबाइल चैटिंग होइए। 

उपकरण आ ओकर ‌उपयोगक प्रभावसं उपजल एकटा‌ कथा अछि- 'जंगल'। आरंभमे ई कथा प्रेम-कथा जकां शुरू होइए। मुदा, मोबाइल कौल पर दू टा पुरुष पात्रक गपक संग कथा आगां बढ़ितहिं प्रेम सम्बन्धी आजुक युवा पीढ़ीक सोच आ उछृंखलताक सोचक कथा बनि जाइत अछि। प्रेम-कथा नहि, 'रिलेसनशिप-कथा' बनि जाइत अछि। कथा पढ़ने लागत जे आजुक ई युवा वर्ग प्रेममे देह कें प्रमुखतासं देख' लगलैए। संवेदना, आदर आ विश्वासकें कतहु भसिया तं ने देलकैए। बहुलांशक यैह हाल छैक, एहने सोच छैक। पांच साल सं एक-दोसराक संग 'रिलेशन'मे रहैए आ 'रिलेशन ब्रेक' कर'मे वा 'मूव औन' कर'मे पांचो मिनट नहि लगबैए। फेर घंटे-दू घंटाक बाद दोसराक संग 'रिलेशन' भ' जाइत छैक। सेहो एहि सूचनाक संग जे ओकर 'एक्स' छलैक, आब नहि छैक।' 

ई कथा पढ़ैत काल पाठककें लगतनि जे की पढ़ि रहल छी? मुदा नहि, अपने यथार्थ पढ़ि रहल छी। बदलैत समयक सोपान पढ़ि रहल छी, जाहिमे सम्बन्ध मात्र सिरही टा रहि गेलैए। हं, ई कथा पढ़ैत काल कथाकारक मेहनति सेहो नजरि आओत। जाहि बयसक नायक-नायिका सभ कथामे आयल अछि, तकर मनोदशा, भाषा आ सोचमे अपन बयसक उत्तरार्द्ध मे काया-प्रवेश करबामे कतेक मेहनति लागल होयतनि कथाकारक, सेहो नजरि आओत। ओकर सभक भाषा आ आधुनिक 'टर्म' चुनबामे कथाकारक कौशल सेहो नजरि आओत। बहुत 'टर्म' पहिले बेर सुनब, ताहि लेल कथाकारक लेल मुंहमे धन्यवाद सेहो उचरत।

हम जेहन कथा सभक बानगी देने जा रहल छी, ताहि पाठक सभकें लगतनि जे एहि संग्रहमे एहने कथा सभ होयतैक। मुदा नहि। एहि संग्रहमे सभ रंगक आ सभ बयसक लोकक कथा छैक। कारण, समय एकरंगाह नहि होइत छैक। बदलैत रहैत छैक। आ, बदलैत समयके अपन कथाक विषय बनायब विभूति आनन्दक स्वभाव बनि गेल छनि। 

सन् दू हजार चौबीसमे बिहारमे एकटा प्रशासनिक घटना घटलैक - 'सर्वे'। ओना 'सर्वे' कोनो नव घटना नहि छैक, एकटा प्रक्रिया छैक, जे चलैत आबि रहल छैक। मुदा उल्लेखित वर्षक सर्वे किछु विशेष रहैक। तें एहि पर सेहो साहित्यकार लोकनि अपन-अपन कलम उठौलनि। हिनको सर्वे पर केन्द्रित दू टा कथा एहि संग्रहमे भेटत - 'सर्वे भवन्तु सुखमय...' आ 'सर्वे सन्तु निरामया:...'। ई दुनू कथा सरकारी कुव्यवस्था, प्रशासनिक विसंगति आ पारिवारिक-सामाजिक वैमनस्यताकें उजागर करैत अछि, पठनीय आ विचारणीय सेहो अछि।।

तहिना जीवन आ जीबाक प्रति उत्साह आ जीजिविषाक कथा अछि- 'मॉर्निंग फेस'। आ, बियाहक कतोक बरखक बाद कालेजक प्रेमकें मोन पाड़ैत कथा अछि- 'हम गंगा भ' बहि जाइ...'। अद्भुत।

एहि संग्रहमे कथाकार राजनीतिक यथार्थकें सेहो दू टा कथाक माध्यमे पाठकक समक्ष रखलनि अछि। ओ दुनू कथा थिक- ‘वसुधा’ आ ‘स्वप्नभंग’। फराक-फराक विचारधारा बला राजनीतिक दल सभ, जे बाहरसँ जतेक मजगूत, सैद्धांतिक आ उदार नजरि अबैत अछि, से सभ भीतरसँ कतेक कलुषित आ फोकला अछि, ओकर नेता आ कार्यकर्ता सभ व्यक्तिगत स्वार्थक लेल कतेक छद्म करैत अछि, ई बात गंभीरतापूर्वक दुनू कथामे आयल अछि।

एहि संग्रहमे कथा-वस्तुक चयनमे एकटा बात देखऽ मे अबैत अछि जे कथाकार विभिन्न आयामक विषयकें अपन कथामे आनलनि अछि। जेना, एकटा कथा अछि- खेल। मैथिल समाजमे खेल एहि प्राथमिकतामे नहि रहल अछि जे अभिभावक अपन नेनाकें ओहिमे कैरियर बनयबा लेल प्रोत्साहित करथि। आब नगरमे रहैत मैथिल एहि दिशामे साकांक्ष भेलाह अछि आ उदार सेहो। मुदा पहिने से विरले देखल जाइत छल। ओना मिथिलामे विभिन्न प्रकारक खेलक प्रचलन रहल अछि, जकर चर्च कथामे भेल अछि। मुदा ओ खेल प्राथमिकतामे विरले रहल अछि। एहना स्थितिमे एहि कथा ‘खेल’क अभिभावक पात्रा सुशांत अपन पुत्रकें ओकर रुचिक अनुसार शतरंजक नेशनल खेलाड़ी बनाबऽ लेल बेटाक संग संघर्षरत अछि, से नीक समाद दैत अछि।

पारम्परिक रूपसं हटि नव प्रयोगक संग जीबाक ढंगमे परिवर्तन आ ओकर जटिलताकें चित्रित करबाक आग्रही कथाकार विभूति आनन्दक एहू पोथीक कथा सभ हिनक कथा-लेखनक दृष्टिबद्धताक बानगी बनि प्रस्तुत भेल अछि।

...आ, एतेक कहैत हमरा फेर पुत्रक गप मोन पड़ैए जे ओ आब फेरसं पोथी पढ़ब शरू करता। हुनकर ई गप हमरा पठनीयताक संकट दिस ल' जाइत अछि। भारतीय आन-आन भाषाक संग मैथिलीमे सेहो ई संकट छैक। मैथिलीमे कने बेसीए। पत्र-पत्रिकाक अभावे छैक। पढ़निहार कत'? आब फेसबुको पर लोक कथा नहिए सन पढ़ैत छथि। तर्जनीक उपयोग 'लाइक' पर क' लैत छथि। माने ई जे कथाकार बुझथि जे हुनक कथा देखल गेलनि। मुदा, ताहि सं की? कथाकार एत्तेक लिखि रहल छथि, से....

एहि आशयक गप सेहो बेटाकें कहलियनि। तं कहलनि- 'अहांक काज लिखब अछि। अपन समयकें लिखि क' समाज लेल अंकित करब। समय औतैक आ पढ़निहार सेहो। जं लिखले नहि रहतै त' की भेटतै ओकरा? दोसर बात ई जे... 

...दोसर बात ई जे...जख‌न ताकल जयतै त' सभक हिस्साक काज ताकल जयतै, 'कूरी' लगाओल जयतै। अहांक लिखले नहि रहत, त' की लागत?'

बेटाक गप हमरा काल्हि बड़‌ नीक लागल छल।

ई गप आइयो नीक लागि रहल अछि आ तें आदरणीय विभूति भाइक विशाल कथा-भंडारकें देखैत बुझाइए जे आब' बला समयमे हिनक साहित्यिक काजक हिस्सामे 'कूड़ी' नहि, 'पथार' लगतनि।

जाहि गतिएं ई लिखि रहल छथि, ओ गति अक्षुण्ण रहनि आ अपन हिस्साक काज एही इमानदारीसं करैत रहथि। शुभकामना।
                    #####
      
 

बौआइत मोनकें सम पर अनैत मीठा पान (आलेख)

आलेख

बौआइत मोनकें सम पर अनैत मीठा पान
.   (फोटो- वाम दिस विभूति आनन्द, दहिन दिस प्रदीप बिहारी)

प्रदीप बिहारी

अप्रतिम कथाकार विभूति आनन्दक नव कथा-संग्रह 'कथा '23' प्रकाशमे आयल अछि। लगले ई कहि दी जे विभूति आनन्द अपन कथा-संग्रह सभक नाम सेहो सिरीजमे राख' लगलाह अछि। जेना, एहि पोथीसं पहिने 'कथा '21' आ 'कथा '22' नामक पोथी आबि चुकल छनि। स्पष्ट छैक जे जाहि बर्खक शीर्षक छैक, ताहि बर्खमे लिखल कथा सभक संग्रह थिक। आरंभमे हमरा ई नाम नीक नहि लागल रहय। मुदा, बादमे नीक लाग' लागल। से एहि दुआरें जे सम्बन्धित बर्खमे कथाकारक कथा सभक ट्रेंड बुझबामे सहज होइत छैक। कथाकारक वैचारिक ग्राफ समयक संग कोना आगां बढ़ैत अछि वा पाछां घुसकैत अछि, सेहो बुझल जा सकैत अछि। बदलैत सामाजिक, सांस्कृतिक आ राजनीतिक अवस्थाक प्रभावकें कथाकार कोना देखैत छथि? ओकर दबावकें कोना स्वीकारैत छथि? तखन कथा-संग्रहक नामकरणक पाछां आदरणीय विभूति भाइक उद्देश्य आ दृष्टि स्पष्ट भेल। आ एही क्रममे हिनक पोथी 'कथा '23' पाठक लोकनिक सोझां छनि।

कथा लिखबाक जेहन मति, गति आ अवगति विभूति भाइकें छनि ताहिसं हुनक समकालीन सभकें ईर्ष्या होइत हेतनि आ अनुज रचनाकार सभकें सेहन्ता। आ ताहि दृष्टिएं हिनक कथाक पोथी भविष्यमे 'कथा '24, 25, 26, 27....क नामे अवश्य औतनि।

एहन शीर्षक कथाकारकें अपन प्रतिबद्धता मोन पाड़ैत रहैत छैक, आत्मानुशासन मोन पाड़ैत रहैत छैक जे प्रतिवर्ष एकटा संग्रह योग्य नव कथा लिखबाक अछि। ई संकल्प कथाकारकें सक्रिय आ उर्जस्वित बना क' रखने रहैछ। हमरा सभक लेल ई प्रसन्नताक बात अछि जे आदरणीय विभूति आनन्द शारीरिक अस्वस्थताक बादो मानसिक रूपसं एतेक स्वस्थ छथि जे प्रतिवर्ष एतेक कथा लिखि लैत छथि।
 
दू हजार तइस मे ओ बारह टा कथा लिखलनि। सोझे देखी तं प्रत्येक मास एक टा कथा। बारह मास, बारह कथा। मुदा नहि, मासे-मासक हिसाबसं नहि लिखलनि। आ, कथा एना लिखलो नहि जा सकैछ। कथा लिखब दवाइक खोराक नहि होइत छैक, जे नियमित समय‌पर नहि लेने नीक जकां फैदा नहि करत। 

कथा लिखबाक एकटा मूड बनैत छैक, विषय वा घटना कखनो क्लिक क' जाइत छैक, स्पार्क क' जाइत छैक, बिजलौका जकां चमकि उठैत छैक, तखन कथाकारकें लिखबाक प्रवेग बनैत छनि आ लिखाइत अछि कथा। जं एहि 'क्लिक', 'स्पार्क' आ बिजलौका कें तत्क्षण नहि पकड़लनि कथाकार, तं ओ द्रुत गतिएं ससरि जाइत छैक। सिनेमाक भाषामे जकरा 'फेड आउट' कहैत छैक, विषय वा घटनाक सैह भ' जाइत छैक। कतबो स्मरण करू, सहजहिं घुरि क' नहि अबैत छैक। चूँकि एहि पोथीमे संग्रहित कथा सभमे ओकर लेखनक तिथि देल छैक, तें हम एक टा डाटा देब' चाहैत छी। दू हजार तइसक मार्चमे तीन टा कथा लिखलनि, अप्रैलमे दू टा, अगस्तमे एक टा, सितम्बरमे दू टा, अक्टूबरमे तीन टा आ दिसम्बरमे एक टा। एहिसं हिनक विषय वा घटनाकें आत्मसात करबाक आ कथा लिखबाक आवृत्ति कें बुझल जा सकैत अछि।

एहि बारहो कथाक कथाभूमि आ विषय फराक-फराक छैक। एखनुक समयमे प्रेम आ अस्तित्व एकटा आवश्यक तत्व भ' गेल छैक। जखन प्रेम बचतैक, तखने बचतैक संवेदना, जकर खगता व्यक्ति आ समाज लेल बहुत बेसी छैक। एहि विषय सभकें एहि बारहो कथामे कुशलतापूर्वक राखल गेल छैक।

पोथीक पहिल कथा 'हैप्पी फगुआ' स्वप्न कथा थिक। अपन मृत पत्नीक संग वार्तालापक शिल्पमे लिखल एहि कथामे नायकक विधुर एकाकी जीवन आ तज्जन्य असुविधा आ असुरक्षाक बात कहल गेल छैक। कथाक कैनवास नमहर छैक, जाहिमे दुनू प्राणीक पूर्व जीवन, वर्तमान जीवन, यथा-  बेटा-पुतौहु, मित्र-बन्धु, सम्बन्धी, सर-समाजक चर्च छैक। हिनका सभसं बहुत कम सम्पर्क रहि गेलाक कारणें नायकक एकाकी जीवनक संदर्भ बेर-बेर अबैत छैक। नायिका (मृत पत्नी) कहैत छैक जे ओ तं आत्मा मात्र अछि, मात्र भाव। ओ नायकक लेल संवेदना प्रकट करैत छैक, मुदा कहैत छैक जे ओ दुख वा सुखसं प्रभावित नहि होइछ। कथाक अंत पत्नीकें 'हैप्पी फगुआ' कहि नायक अपन मोनकें मनबैत अछि। माने, 'दिल को बहलाने का गालिब ये खयाल अच्छा है...।' ई कथा पूर्णतः 'संवाद' शिल्पमे लिखल छैक आ पाठक लग गप्पक विभिन्न संदर्भक चित्र सफलतापूर्वक उभरैत छैक आ जगजियार होइत छैक। ओना ई कही जे संवाद शिल्पमे कथा लिखबाक महारथ छनि विभूति आनन्दकें। हिनक कथा 'काठ' पूर्णतः संवाद शिल्पमे लिखल मैथिलीक प्रायः पहिल कथा छनि।

सोशल मीडिया आ डिजिटलाइजेशनक प्रभावें समाजमे भेल परिवर्तनक कथा विभूति आनन्द खूब लिखलनि अछि। एहू संग्रहमे छनि। एकर प्रभावें लोक सभमे, विशेषत: युवक आ युवती सभमे जे चेतनाक संचार भेलैक अछि, तकरो बानगी एहि संग्रहक कथा सभमे‌ छैक। ओ सभ, खास क' युवती सभ प्रेम लेल, अपन अधिकार लेल, अपन 'स्व' लेल, अपन कैरियर लेल खुजि क' बाज' लागलि अछि, ई बात कथाकारकें नीक लगैत छनि। प्राय: तें एहि बातकें प्रमुखतासं उठबैत छथि कथाकार आ एहन चेतनशील युवती सभक संग एहि संग्रहक कथा सभमे ठाढ़ देखाइत छथि।

हमरालोकनिक पाबनि-तिहार, सांस्कृतिक परम्पराक रक्षा लेल संघर्षरत एक पीढ़ी आ ओकरा निंघेस कहैत दोसर पीढ़ी (माय आ बेटा-बेटी)क बीचक द्वंद्व सेहो एहि संग्रहक एकटा कथा देखाइत अछि। तिला संक्रांतिमे, तिल बहबा लेल बेटीकें तिल नहि देल जाइछ। से एहि दुआरें जे ओ बेटी अछि, ई बेटाक काज छैक (कथा- गे! तों त' बेटी छें)। एहि चलनसारिक विरोध कथामे एहि तरहें देखल जाइछ जे बुढ़ारीमे बेटिए मायकें काज अबैत छैक, सेवा करैत छैक।

स्त्रीक दशा-दिशामे सुधार आ चेतनाजन्य विकासक लेल कथाकार तैयार देखाइत छथि। तें कतहु प्रेमक बहन्ने, तं कतहु ओकर भूखक बहन्ने। ओकर विभिन्न रूपकें कथामे आनलनि अछि। कथाकार स्त्रीमे भेल एहि परिवर्तन कें मजगूतीसं रेखांकित करैत छथि जे युवती अपन विवाहसं पूर्व लड़कासं गप क' तय कर' चाहैए जे ओ लड़का एकरा लेल उपयुक्त होयतैक वा नहि। आ, ई गप ओ अपन माता-पिता लग राखैए। अपन जीवनक निर्णय अपना हाथमे राखैए। युवक-युवती अपन प्रेम-सम्बन्धके निधोख भ' लोक लग राखैए। 

चिट्ठी-युगक अवसान आ एण्ड्रायड-युगक आरंभक सिमान पर ठाढ़ भेल एकटा कथा अछि- 'ऋणानुबंध'। एकटा लड़कीक कथा जे फेसबुक कोन परिस्थिति मे शुरू करैए, आरंभमे डरे अपन फोटो नहि दैए आ नहूं-नहूं मैसेंजर आ व्हाट्स एप पर चैटिंग करैए। कतोक मित्र बनैत छैक, कतोक ओकरा प्रपोज करैत छैक। सभसं कोना कौशलपूर्वक अपन बाट फराक करैत अपन कैरियर बनयबा लेल गंभीर होइए आ विवाहकें वाधा बूझ' लगैए। एहि कथाक सहज प्रवाह एकरा महत्वपूर्ण बनबैत छैक।

मिथिलाक लड़कीक स्वतंत्र अस्तित्वक एकटा आर कथा छैक - 'चाह मे बिस्कुट जेना'। नायिकाक जेठ बहिन, जे बियाहलि छैक, अपना सन गति नहि चाहैत अछि नायिकाक। अल्प बयसक वियाहक दुष्परिणाम भोगैत जेठ बहिन कथाक अंत धरि नायिकाक सम्बल बनैत छैक, मुदा, परिवारक दबावक आगां ओ हारि जाइत अछि। कथा एत' सं आगां बढ़ैत छैक आ क्लाइमेक्स पर एहि तरहें जाइत छैक जे कथानायक 'हम'कें नायिका प्रतिमाक मैसेज अबैत छैक- 'सर, बुझले हैत। मुदा हमहीं अस्वीकार क' देलिऐ।' हम द्वारा कारण पुछने कहैत अछि- 'हमर सपना, जकर अहां सदा समर्थन करैत अएलहुं, ताही लेल।'

एहि कथामे युवती द्वारा स्वीकार/अस्वीकारक निर्णय लेबाक अवगति आ साहस रेखांकित करबा योग्य अछि। कथाकार युवतीक एहि निर्णय आ साहसक संग देखाइत छथि। तें एहि बदलैत समयक एकटा महत्वपूर्ण कथा सेहो बनैत अछि- 'चाह मे बिस्कुट जेना...'

बारहो कथामे कथाकार दू बेर कलकत्ता जाइत छथि। माने दू टा कथामे कलकत्ता अयलनि अछि। ओना सम्पूर्णता आ कथाक केन्द्रीय भूमिक दृष्टिएं एक्कहिटा कथामे कलकत्ता आयल अछि। ओ कथा अछि- 'सोनागाछी'। एहि कथामे सोनागाछी एकटा प्रतीकक रूपमे अबैत छैक। कथानायककें बाट पर युवक सभक संग 'फ्लर्ट' कयनिहार पर तामस उठैत छैक। कारण, युवती स्वयंकें बचयबाक प्रयास करैत अछि। माने, ओ सोनागाछीमे रहनिहारि सन मनोभावक नहि अछि। अपन कोठरीक खिड़की सं देखैत नायककें होइत छैक जे पुलिस अधिकारी मित्रकें फोन करय। मुदा, कहि नहि पबैछ। कका एकबेर कहै छथिन जे एत' अपन काजसं काज राखी। प्रात भेने अखबार ओहि लड़कीक हत्याक सूचना दैत छैक तं कथानायककें अपराध बोध होइत छैक। ज्ञातव्य जे सोनागाछी कलकत्ताक रेड लाइट एरिया छैक। मुदा, एहि कथामे कथाकारकें विक्टोरिया मेमोरियल पार्कमे सेहो सोनागाछी देखाइत छनि। एतबे नहि, लोकक मोनमे सेहो एक-ने-एक सोनागाछी देखाइत छनि। छोट वा पैघ, विभिन्न ठाम सोनागाछी देखाइत छनि। प्रेममे असफल युवतीक मोनमे सोनागाछी देखाइत छनि...। 

वेश्यावृत्तिक कारण आ निवारणक मादे कथाक अंतमे कथाकार लिखैत छथि- 'जोती दा जखन पहिल बेर मुख्यमन्त्री भेल रहथि तं पार्टीक किछु संभ्रांत तरहक व्यक्ति हुनकासं भेंट कयने रहथि, आ सोनागाछीक उन्मूलन लेल आग्रह कयने रहथिन। मुदा जोती दा तर्क देने रहथिन...

...न: न:, सौरभो (कथाक एक पात्र) तं सएह खिस्सा लिखने रहय जे ओतुक्का लड़की कहने रहनि...'

अंतमे कथाकार लिखैत छथि- 'आ हमर माथा सहरी-सहरी भ' क' जेना छिड़िया जाइत अछि। मुदा तैयो सोचैत छी, आइ जं जोती दा रहितथि तं की सोचितथि!...'

मुदा, कथानायकक माथा सहरी-सहरी किएक होइत छनि? ताहि लेल कथामे उपरोक्त कथनसं पहिलुक अंशके देखल जा सकैछ, जाहिमे कहल गेल अछि जे कथानायकक ककाकें नहियो रहने हुनक मित्र रवि दा डेरा पर अबैत रहैत छथिन। आ, जं कदाचित नहियो आबि सकलाह, कानमे काकीक स्वर सुना जाइ छनि- 'हेलो, की मोशाय..' आ, कथानायकक सोच जेना चक्कर मारि खसि पड़ैत छनि।

कथामे उपरोक्त अंश सन नांगट सांच लिखब कथाकारक धैर्य आ तटस्थताक उदाहरण मानल जा सकैए। 

पात्रानुकूल भाषाक प्रयोग लेल विभूति आनन्दक विशेषज्ञता मैथिली जगतमे जग जाहिर अछि। मिथिलाक  वंचित (शैक्षिक, सांस्कृतिक आ आर्थिक रूपें) लोकक बहुत रास कथा लिखलनि अछि, जाहिमे कथानक आ पात्रक क्षेत्रक अनुसार कथा-भाषाक प्रयोग कयने छथि। ई दुरूह आ गंभीरतापूर्वक कर' योग्य काज होइत छैक। लेखकक लेल एकटा चैलेंज सन होइत छैक। ओहन पात्र द्वारा उच्चारित शब्द, ध्वनि आ लय महत्वपूर्ण होइत छैक, जकरा धयने कथा-वस्तुक संग गतिमयताक उचित निर्वाह कथाकें स्तरीय बनबैत छैक। एहि लेल कथाकारकें अपन रचना-प्रक्रियाक क्रममे कार्यशाला सन मेहनति कर' पड़ैत छैक। हिनक एहन कथा सभकें पढ़ने ई अन्दाज सहजहिं लगाओल जा सकैछ‌ जे ई कतेक मेहनति करैत छथि। कोना एहि गुणकें साधलनि अछि, सेहो बुझबाक इच्छा पाठककें उपजि सकैत छनि। एहू संग्रहक कथा 'जात'मे ऊपर वर्णित शिल्प आ कथाकारक मेहनति देखल जा सकैत अछि।

एहि संग्रहक बहुलांश कथा मे कथाकारक अपन गामक प्रति मोह आ आकर्षण देखबामे अबैत अछि। हिनक बेसी पात्र सभ अपन शेष जीवन अपन-अपन गाममे बिताब' चाहैत अछि। मुदा, से भ' नहि पबैत छैक। कारण, आजुक गाम कतोक प्रकारक स्वार्थ आ राजनीतिसं सकपंज भेल अछि। प्राय: तें कथाकारक नायकक मोनमे कचोट छैक, कखनो मोह देखाइत छैक, तं कखनो मोहभंग सेहो।

ई इथ-उथ एहि संग्रहक अंतिम कथा 'एक खिल्ली मीठा पान' मे देखल जा सकैछ। ई कथा आत्मकथात्मक शिल्पमे लिखल गेल अछि। एहिमे कथानायकक प्राय: पूरा जीवन-वृत छैक। एहि कथामे परिवर्तनकामी नायकक जीवन-संघर्ष छैक। अपन सिद्धान्त सं समझौता नहि करबाक जिद छैक, छात्र-जीवनक जहल-प्रवासक क्रममे राजनीतिक यथार्थ सं आंखि खुजैत छैक। नायक वैभवकें जहलमे बुझना जाइत छैक जे सभ राजनेता देशक लेल नहि, अपन फैदा लेल राजनीति क' रहल अछि, तं मोहभंग होइत छैक। वैभव ओहि बाटसं घुरि अबैत अछि, आ नव बाट धरैत जीवनक चारिम खण्डमे आबि एकसर भ' जाइत अछि। पत्नी नहि छथिन, धियापुता अपनेमे व्यस्त आ एसगरुआ अस्त-व्यस्त वैभव। तें ओ गाम जाय चाहैत अछि, गामेक माटिमे मिलि जाय चाहैत अछि। मुदा, गामो जयबामे अनेक रंगक विघ्न सभक संग लड़' पड़तैक। आब गाम, ओ गाम नहि छलै जे ओ छोड़ि क' गेल छल।

वैभवक औनाइत मोन एहि निर्णय पर थिर होइत छैक जे ओ फेरसं साहित्य-लेखन करत, जकरा विभिन्न कारणें छोड़ि देने छल। ओ सोचैत अछि जे साहित्ये एहन अस्त्र भ' सकैत छैक, जे विरोधक इतिहास-लेखनमे सक्षम होयत। आ तें ओ चौक पर जा क' जिस्ता भरि रुलदार कागत आ दर्जन भरि कलम कीनैत अछि। आ, घुरती काल अपन परिचितक दोकान पर एक खिल्ली मीठा पान खाइत अछि। से, एहि दुआरें जे जहिया ओ अधिक प्रसन्न रहैत छल, तं मीठा पान खाइत छल।

कथाक एहन सकारात्मक समापन क' कथाकार एहि कथामे जीवनक नव बाट तकैत छथि। ओना ई कही जे तकैत नहि छथि, बनबैत छथि। आ, पोथीक ई अंतिम कथा जीवनक उजासक कथा बनि सकल अछि।

ई कथा भने आत्मकथा सन लगैत छैक, मुदा कथाक यथार्थ, ट्रीटमेंट आ आजुक युगबोधक कारणें ई कथा आत्मकथा नहि, जनकथा बनि गेल अछि। 

एहि तरहें कथा '23क पहिल कथा 'स्वप्न कथा' सं शुरू होइत अछि आ अंतिम कथा यथार्थ आ उजासक कथा बनैत अछि, हौसलाक कथा बनैत अछि।

जेना क्रिकेटक खेलाड़ी लेल एकटा टर्म कहल जाइत छैक- 'एखनि हिनकामे बहुत क्रिकेट बाकी छनि'। तहिना विभूति आनन्द लेल कहल जा सकैत अछि जे हिनकामे एखनि बहुत कथा बाकी छनि।

आ, एहि पोथीक प्रकाशनक अवसर पर शुभकामना आ बधाइ तं बनिते छनि।